पटना। राज्य कैबिनेट भारत-नेपाल सीमा क बिहार क हिस्सा मे प्रस्तावित दू लेन सड़क योजना कए मंजूरी द देलक। ईस्ट-वेस्ट कारीडोर क समानांतर इ सड़क (कुल 552.293 किलोमीटर) क 200 किलोमीटर कए गृह मंत्रालय क अनुमति प्राप्त अछि। पथ निर्माण विभाग क देखरेख मे नवंबर स एहि योजना पर काम आरंभ भ जेबाक उम्मीद अछि। एकरा 2015-16 तक पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। राज्य सरकार कुल लागत क 53.3 प्रतिशत वहन करत, 46.7 प्रतिशत राशि केंद्र सरकार देत। 3547.94 करोड़ क व्यय अनुमानित अछि। कैबिनेट क बैसार क बाद पथ निर्माण विभाग क सचिव प्रत्यय अमृत कहला जे सड़क कए एलायनमेंट क रास्ता मे आबि रहल 121टा पुल क निर्माण पर खर्च लगभग 1891 करोड़ टकाक अछि जे राज्य सरकार वहन करत। एकरा लेल नाबार्ड स ऋण लेल जा रहल अछि। 3370.59 एकड़ जमीन अधिग्रहण पर 868.9122 करोड़ टका, पर्यावरण अनापत्ति प्रमाण पत्र पर 16 करोड़ टका आ यूटिलिटी शिफ्टिंग पर 10 करोड़ टका खर्च हेबाक अनुमान अछि। राज्य सरकार द्वारा कुल 896.31 करोड़ खर्च कैल जाएत। हुनकर अनुसार एहि परियोजना क तहत पश्चिम चंपारण जिला मे 11.098 किमी, पूर्वी चंपारण मे 77.242 किमी, सीतामढ़ी मे 89.925 किमी, मधुबनी मे 39.21 किमी, सुपौल मे 40.99 किमी, अररिया मे 102 किमी आ किशनगंज मे 91.70 किमी सड़क बनत। पूर्वी चंपारण मे इ सड़क एनएच 28 पर स्थित गोबरहिया स आरंभ भ कए पश्चिम चंपारण जिला क सहोदरा, इनरवा, सिकटा, पूर्वी चंपारण क रक्सौल, गुआवारी, सीतामढ़ी क बसवींट्टा, सोनबरसा, सुरसंड, भिट्ठामोड़, मधुबनी क अखाड़ाघाट, लदनिया, लौकहा, लौकही, झोरीचौक, करिऔथ, अंधरामठ, भूतहा चौक, सुपौल क सरायगढ़, भीमनगर, वीरपुर, अररिया क रिफ्यूजी कालोनी, जोगबनी, कुंआरी, सिकटी, किशनगंज क फतेहपुर, डुब्बाटोला आ पीलटोला होइत गलगलिया मे समाप्त भ जाएत। जल संसाधन विभाग क स्वामित्व वाला घोड़ासहन कैनाल, त्रिवेणी कैनाल, ललवकिया एफलक्स बांध, बैरगनिया रिंग बांध, एफलक्स बांध, पश्चिमी कोसी तटबंध, पूर्वी कोसी तटबंध क हिस्सा सेहो एलायनमेंट मे शामिल अछि। एहि एलायनमेंट मे 118 किमी क हिस्सा एनएच क सेहो अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper