पटना । राजस्व आ भूमि सुधार मंत्री रमई राम कहला अछि जे भूदान क जमीन कए अतिक्रमण स बचेबा लेल सरकार सख्त कानूनी प्रावधान केलक अछि। आब भूदान क जमीन पर कब्जा करनिहार कए 20 हजार टका जुर्माना आ एक वर्ष क सजा होएत। दोसर दिस ओ कहला जे मौसम क खराबी क कारण आब सितम्बर-अक्टूबर स एरियल सर्वे शुरू होएत। राजस्व आ भूमि सुधार विभाग क सचिव हुकुम सिंह मीणा कहला जे 38 जिला मे भूमि क हवाई सर्वे लेल तीनटा एजेंसी क चयन कैल गेल अछि। आठ जिला मे डाटा कैपचर क काज पूरा भ चुकल अछि। इ जिला नांलदा, सारण, भागलपुर, मुंगेर, शेखपुरा, बेगूसराय, लखरीसराय आ खगड़िया अछि। एहि मे बेगूसराय, लखीसराय आ खगड़िया जिला क डाटा कैपचर एक सप्ताह क अंदर भेटत। मीणा क अनुसार दरभंगा, मधुबनी, किशनगंज, भागलपुर, मुजफ्फरपुर, भोजपुर, बक्सर आ रोहतास मे खतियान क डिजिटाइजेशन क बाद एकरा विभागीय वेबसाइट पर राखि देल गेल अछि। मीणा कहला जे सरकार जमीन क कमी पूरा करबा लेल लैंड बैंक बनेबा पर कार्रवाई तेज क देलक अछि। एकरा लेल दू अरब टका क स्वीकृति देल गेल अछि। सरकार एकरा लेल जिला मे सौ एकड़, अनुमंडल मे 50 एकड़ आ प्रखंड मे 30 एकड़ क लैंड बैंक बनेबाक फैसला केलक अछि। ओतहि किसान क सुविधा लेल आन लाइन दाखिल-खारिज करेबा पर सेहो सरकार गंभीरता स विचार क रहल अछि। सरकार फिलहाल पायलट प्रोजेक्ट क रूप मे आरा मे आनलाइन दाखिल-खारिज क सुविधा देने अछि। श्री राम कहला जे आब जमीन मालिक कए भूमि क नक्शा आ खतियान लेबा लेल जिला मुख्यालय जेबाक जरूरत नहि रहत, हुनका इ सबटा दस्तावेज अचंल मे बनि रहल आधुनिक अभिलेखागार स भेट जाएत। सरकार प्रदेश क कुल 534 अंचल मे आधुनिक अभिलेखागार बना रहल अछि, जाहि मे स 203टा आधुनिक अभिलेखागार क निर्माण क स्वीकृति देल गेल अछि संगहि भवन निर्माण विभाग कए एकरा लेल 81 करोड़ भुगतान सेहो क देल गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa