नई दिल्ली। ममता दीदी हथियार राखि हरदा बाजि देलथि अछि। रेल भवन स भेटल समादक अनुसार पूर्व रेलमंत्री लालू प्रसाद क हर उपलब्धि कए मिटेबाक लेल प्रयासरत रेलमंत्री ममता बनर्जी गरीब रथ कए खत्म करबाक अपन विचार बदलि लेलथि अछि। एकर संगहि ममता बनर्जी बिहार लेल एहि रेल बजट मे दुरंतो ट्रेन देबाक घोषणा करि सकैत छथि। कहल जा रहल अछि जे ममता रेलक आमदनी मे भ रहल घाटा स घबरा लालू प्रसादक कोपभाजन बनबा स आब बचए चाहैत छथि। एहि रेल बजट मे ओ लालू प्रसादक उपलब्धि कए रेखांकित करबाक कोशिश त नहि करतथि, मुदा लालू प्रसाद क लोकप्रिय घोषणा कए जरूर पूरा करबाक भरोस देतथि।
लालू संग बिहार क विरोध आ बंगाल पर खास ध्यान देबाक आरोप स रेल मंत्री ममता बनर्जी नींद उड़ल अछि। ओ दिन-राति एक करि एहि बेरका रेल बजट कए एहि आरोप स मुक्त रखबाक प्रयास करि रहल छथि। दोसर दिस कांग्रेस आ जदयू दूनू बिहारक उपेक्षा कए ल कए ममता पर दबाव बनेने अछि। एहि साल बिहार मे विधानसभाक चुनाव अछि आ तीनटा पूर्व रेलमंत्रीक परियोजना बिहार मे लटकल अछि, एहन मे ममताक लालूक नाम पर बिहारक उपेक्षा कांग्रेस कए भारी पड़ी सकैत अछि। रेल भवनक सूत्रक कहब अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश क अधिकतर प्रस्ताव कए ममता दीदी मानि लेलथि अछि। लालू क कार्यकाल मे शुरू भेल परियोजना क लेल सेहो बजट क आवंटन बढ़ाउल जा रहल अछि। रेल मंत्री ममता बनर्जी 24 फरवरी कए रेल बजट पेश करतथि। रेलवे भवन में भेल अधिकारी कसंग बैठक मे इ सेहो तय भेल जे लालूक नीति कए जारी रखैत यात्री किराया मे कोनो बढ़ोतरी नहि कैल जाए, जरूरत हुए त माल भाड़ा दर कए तर्क संगत बनाउल जा सकैत अछि, मुदा इ ध्यान राखल जाए जे जरूरी सामानक दाम नहि बढ़ए। सूत्र क मानि त ममता बनर्जी वित्त मंत्री प्रणब मुखर्जी स भेंट करि रेलवे क लेल बजट आवंटन बढ़ेबाक आग्रह केलथि अछि।