• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मातृभूमि देख नोरायल राजकेश्वर क आंखि

January 6, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

हे मातृभूमि स्‍वीकारू प्रणाम
हम आयल छी आइ अपन गाम
जाहि गाम स कुल छल उपटि गेल
ओहि गाम स हम जोडब आइ नाम
आंखि स टपकल हमर इ नोर
कहू की सटल अछि हमर ढोर
सिहरल तन पुलकित मन हमर
चाही स्‍नेह अहां स हमरा दान
हे मातृभूमि स्‍वीकारू प्रणाम
हम आयल छी आइ अपन गाम

आशीष झा
पटना।
पुनपुन प्रखंड क वाजितपुर गाम मे आइ भोर एकटा नव इजोत संग भेल। करीब पच्चीस हजार लोक एहि जार मे भोर ग्यारह बजे मैदान मे जमा भ गेल छलथि। अपन गाम क ओहि कुल वंश कए अभिनंदन लेल जे 25 साल स अपन जमीन ताकि रहल छल। मॉरीशस क राष्ट्रपति राजकेश्वर प्रयाग क 25 साल लंबा खोज क आइ आइ सुखद अंत भेल। लोक क प्रेम देख राष्ट्रपति सेहो अपना कए भावुक हेबा स नहि रोकि सकलाह। भावुकता मे हुनकर आंखि क नोर पिपनीक बांध तोडि देलक। इ बांध टूटबाक छल किया त पच्चीस साल क मशक्कत क बाद ओ अपन मूल गाम क पता पर पहुंचल छलाह। डेढ़ सौ वर्ष पहिने वाजितपुर गाम स हुनकर परदादा मॉरीशस गेल छलाह। राजकेश्वर प्रयाग गाम मे जुटल लोक कए हिंदी मे संबोधित केलथि, जाहि स भावना और प्रखर भ सामने आयल। ओ अपन संबोधन क शुरुआत करैत कहला जे हम एहि धरती कए प्रणाम करैत छी। जहिना हम एहि गाम मे प्रवेश केलहुं हमर आंखि नोरा गेल, हम भावुक भ गेलहुं।
महामहिम प्रयाग अपराह्न लगभग तीन बजे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार संग मंच पर एलाह। संग मे राष्ट्रपति क कनिया अनिता प्रयाग सेहो रहथि। मैदान मे हुनक बाट तकैत लोक हुनकर स्‍वागत मे थपडी बजेलक। प्रयाग कहला जे मॉरीशस आ बिहार क संबंध देश दू देशक नहि, बल्कि दूटा भाई क अछि। हमर पुरखा बिहार स अपन शरीर मॉरीशस ल गेल छलाह, हुनक आत्‍मा एहि ठाम बसैत अछि। राजकेश्वर प्रयाग अपन गाम क लोक स अपील केलथि जे ओ अपन बच्‍चा कए नीक शिक्षा दथि किया त शिक्षा गाम क दुख दर्द कए खत्‍म क सकैत अछि। एहि अवसर पर राजकेश्वर प्रयाग वाजितपुर गाम मे एकटा हाई स्कूल क शिलान्यास सेहो केलथि। ओ कहला जे जाति-पांत बहुत भेल आब एकरा छोडि कए बिहार कए आगू बढेबा मे हमरा सब कए लगबाक चाही। बिहार क विकास क चर्चा करैत प्रयाग कहला जे एकर खूब चर्चा श्रा रहल अछि। बिहार सरकार कए गाम तकबा मे मदद करबा लेल धन्‍यवाद दैत कहला जे हम आभारी छी मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क जे हमरा हमर पूर्वज क माटी तक पहुंचा देलथि। परदादा क भूमि पर हमर डेग राखब हमरा लेल सपना जेकां अछि। इ सर्वाधिक खुशी क समय छी।
एहि मौका पर मुख्यमंत्री कहला जे इ पैघ गप अछि जे मॉरीशस क राष्ट्रपति अपन गाम एलाह अछि। अपन मूल कए याद राखब पैघ गप अछि। बिहार क लोक जतए छथि अपन पुरुषार्थ स कमाल केने छथि। मुख्‍यमंत्री कहला जे बिहार लोक भीख मांगबा लेल कतहु नहि जाइत अछि। बिहारी जतए जाइत अछि ओकर योगदान ओहि ठामक विकास मे रहैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

निर्मल भारत अभियान लेल बिहारक 634 टा पंचायत क भेल चयन

Esamaad Epaper Website

इंदिरा आवास लेल भेटत 70 हज़ार टका

Esamaad Epaper Website

बिहार कए भेटल 2015 करोड़ क सड़क परियोजना

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि