• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मातृभाषा भविष्‍य क निर्माण करैत अछि : सौरभ

May 6, 2012
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A

भारतीय सिविल सेवा परीक्षा मे मैथिली कए एकटा विषयक रूप मे चयन एखनो एकटा फैसला मानल जाइत अछि। 2 मई कए आयल सिविल सेवाक मुख्‍य परीक्षा क रुकल परिणाम मे सफल उम्‍मीदवार सौरभ चंद्र (रैंक 66) किछु एहने लोक मे शामिल छथि जे मैथिली कए एकटा विषय क रूप मे चयन केलथि आ सफलता सेहो अर्जित केलथि। सिविल सेवा परीक्षा मे इतिहास स तीन बेर असफल रहल सौरभ अंतिम प्रयास मे लोक प्रशासन संग अपन मातृभाषा मैथिली कए मुख्‍य विषय बनेलथि आ सफलता क स्‍वाद चखलथि। मधुबनी क एकटा छोट सनक गाम धनियापट्टी क रहनिहार सौरभ स एहि उपलब्धि पर इसमाद लेल सुनील कुमार झा विस्‍तार स चर्चा केलथि अछि। प्रस्‍तुत अछि ओकर किछु खास अंश…

प्रश्न – सबस पहिने आईएस बनबा लेल बहुत बहुत बधाई।
उत्तर – बहुत बहुत धन्यवाद। इ सब गुरुजन आ माता-पिता क आशीर्वाद क नतीजा अछि।

प्रश्न – अपनेक प्रारंभिक शिक्षा कतए भेल।
उत्तर – हमर प्रारंभिक शिक्षा शांति निकेतन बाल विद्यापीठ स भेल अछि, जतय हम अपन हाई स्कूल कम्पीट केलहुं, तेकर बाद उच्च शिक्षा लेल दरभंगा आबी गेलहुं।

प्रश्न – मधुबनी मे संस्थान क कमी छल या कोनो खास गप जे अहाँ कए दरभंगा दिस आबय लेल मजबूर क देलक।
उत्तर – मधुबनी मे संस्थानक कमी त अछि। दोसर मिथिला विश्वविद्यालय क नाम बहुत सुनने रही, ताहि लेल बेसी उत्सुक रही एहि मे पढबा लेल। दोसर मैथिली क प्रति हमरा अनुराग बच्‍चे स छल।

प्रश्न – तैयारी की कोना भेल, कतए स तैयारी केलहुं।
उत्तर – स्नातक क बाद दिल्ली चल गेलहुं आ शुरू स सिविल सेवाक तैयारी मे लागल रहलहुं। दिल्ली मे मुखर्जी नगर मे डेरा लेने रही।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्रश्न – तैयारी करबा काल कोन गप क ध्‍यान बेसी राखल।
उत्‍तर – हमर हिसाब स बेसी टेस्‍ट बुक पढबा स कोनो फायदा नहि होइत अछि। सबस पैघ गप इ जे अहां ओतबा पढू जेकरा नीक जकां बुझि सकू। दस टा किताब पढला स बढ़िया अछि जे एकटा किताब दस बेर पढू, संगहि हम स्वाध्याय क बेसी महत्त्व दैत छी, हमरा विचार स शिक्षक खाली मार्गदर्शन करैत छथि, ओ बाट नहि खोली या बना सकैत छथि। इ काज अहां कए अपने करबाक अछि।

प्रश्न – इतिहास छोडि मैथिली कोना लेलहुं।
उत्तर – सबस पहिने त मैथिली हमर मातृभाषा छी आ एहि भाषा संग हम बेसी सहज छी। इ सही अछि जे हम इतिहास स स्‍नातक केने छी आ तीन बेर इतिहास ल कए परीक्षा देने रही, मुदा इतिहास ल कए तीन बेर असफलता क मुंह देखला क बाद हमरा लागल जे अपन मातृभाषा स कियाक नहि एक बेर प्रयास करी। किया कि हमरा इ महसूस भ रहल छल जे मातृभाषा भविष्‍य क निर्माण क सकैत अछि। एकर बाद हम इ फैसला लेलहुं। इ हमर आखरी प्रयास छल आ हम सफल भ गेलहुं।

प्रश्न – मैथिली त अहां लेल नव विषय छल।
उत्‍तर – ओना मिथिला विश्वविद्यालय म पढैत पढैत हमर मैथिली स बेसी जुड़ाव भ गेल छल, एहि दौरान मैथिली स हमर बेसी अनुराग भ गेल, पत्राचार मे हम सेहो मैथिली क प्रयोग करैत रही। एहि लेल हमरा मैथिली नव विषय नहि रहल।

प्रश्न – सोमदिन अहां परिणाम आयल आ शुक्रदिन नवका सत्रक परिणाम सेहो आबि गेल। की उम्‍मीद कैल जाए एहि बेर सेहो मैथिली कए छात्र सफल भेल हेताह।
उत्‍तर – अवश्‍य, किया नहि। 2010 क सत्र मे हमरा सब संग कुल 40टा छात्र एहन मुख्‍य परीक्षा मे छलाह जे मैथिली कए एकटा विषयक रूप मे लेने छलाह। पहिलका सूची मे त 11 गोटे क नाम सामने आबि चुकल अछि, नवका मे एकटा हम छी। एहि सूची मे आओर मैथिली विषय लेनिहार सफल भेल हेताह। हमरा लग आंकडा नहि अछि। सत्र 2011 मे सेहो मैथिली कए विषय बनेनिहार सफलता अर्जित केने हेताह। एखन त क्षेत्रवार लोकक परिचय सामने आबि रहल अछि, विषयवार आंकडा सेहो सामने आउत।

प्रश्न – आगां मैथिली आ मैथिल क उत्थान क लेल कोनो योजना।
उत्तर – निश्चित रूपे। हमर एहि जीवन आ भविष्य मैथिली तय केने अछि ताहि लेल हम मैथिली लेल जेतेक भ सकत करबा लेल सदिखन तैयार रहब। अपन सेवाकाल मे सेहो मैथिली क लेल जे कोनो सहयोग हमरा स भ सकत हम पाछु नहि हटब।

प्रश्न – अहां अपन सफलता क श्रेय केकरा देब।
उत्तर – हम अपन सफलता क श्रेय अपन बाबूजी कए देब। हुनकर प्रयास स हम सफल भेलहुं। तकर बाद हम अपन गुरुजन, मां आ परिवार क सब सदस्य संगे मित्र लोकनि कए सेहो एकर हिस्‍सा बनायब।

प्रश्न – सिविल सेवा क तैयारी क रहल छात्र लेल कोनो सन्देश।
उत्तर – मातृभाषा भविष्य निर्माण कए सकैत अछि एकरा बिसरब नहि। पढू आ खूब पढू जतबा पढ़ब तेतबा आगाँ बढब, एहि बाट मे मुश्किल खूब आउत मुदा मुश्किल पार करब तखने सिकंदर बनब।

प्रश्न – इसमाद स गप करबाक लेल बहुत बहुत धन्यवाद
उत्तर – अहूँक बहुत बहुत धन्‍यवाद।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आतंकी बता दरभंगा स फेर उठा लेल गेल युवक, नीतीश जतेलाह आपत्ति

Esamaad Epaper Website

बाढ थर्मल स भेटत आधा बिजली

Esamaad Epaper Website

...तखन छोट परि जाएत रामलीला मैदान

Comments 1

  1. Rajesh Kumar Jha says:
    13 years ago

    Pahile te saurab ji ke bahut bahut dhanayad safalta ke lel. Ek baat hamar man me aaib raha chai Maithili visay me paryapt study material upladha chai..? Aur kunu kathinai…je aaha ke bhel is visay ke chunaw ke baad ukar charcha nai kato bhel.!

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि