• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिलावासी कए एखन नहि भेटत कैश सब्सिडी ट्रांसफर योजना क लाभ

January 1, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

20टा चयनित जिला मे दक्षिण कए प्राथमिकता, बिहार क कोनो जिला शामिल नहि
नई दिल्ली।
केंद्र सरकारक महत्‍वाकांक्षी कैश सब्सिडी ट्रांसफर योजना क लाभ तत्‍काल मिथिलाक लोक कए नहि भेटत। केंद्र सरकार एहि योजना लेल जाहि 20टा जिलाक चयन केलक अछि ओहि मे बिहार या मिथिलाक कोनो जिला शामिल नहि कैल गेल अछि। केंद्र सरकार दिस स बिहार क एक बेर फेर उपेक्षा कैल गेल अछि। ओना एक जनवरी कए इ योजना जेना-तेना लागू भेल। केंद्र सरकार एहि योजना लेल जाहि 51टा जिलाक चयन केने छल पहिल गप जे ओहि मे स 20टा जिला मे एखन इ योजना लागू कैल गेल अछि, जाहि मे बिहारक कोनो जिला शामिल नहि अछि। केंद्र सरकार अपन एहि महत्‍वाकांक्षी योजना लेल बिहारक कोनो जिला कए महत्‍व नहि देलक, जखनकि एहन प्रणालीक सबस पहिने प्रयोग बिहारक नीतीश सरकार केने अछि। केंद्र सरकार क दावा अछि जे चयनित 20टा जिला क लगभग दू लाख जनता क बैंक खाता मे सातटा स्कीम क टका ट्रांसफर कैल जाएत, मुदा बिहारक कोनो जिला क लोक एहि मे शामिल नहि अछि। फरवरी आ मार्च स जिला क संख्या बढ़ाउल जा सकैत अछि, जाहि मे सेहो बिहारक कोनो जिला क शामिल हेबाक उम्‍मीद कम अछि। ओना साल क अंत तक जखन पूरा देश मे लागू होएत तखने बिहारक लोक कए एकर फायदा भेटत। राजनीतिक इस्तेमाल क आरोप क बाद ओना केंद्र सरकार एहि स्कीम क नाम स नकदी शब्द हटाकए एकरा प्रत्यक्ष लाभ हस्तांतरण (डायरेक्ट बेनेफिट ट्रांसफर) नाम जरूर द देलक अछि, मुदा जिला क चयन मे बिहार आ ताहि मे मिथिलाक उपेक्षा राजनीतिक सोच कए देखार क देलक अछि।
वित्त मंत्री पी चिदंबरम कहला अछि जे हम काफी सोच बुझि कए एहि योजना कए लागू क रहल छी। कुल 43टा जिला मे इ स्कीम लागू हेबाक अछि। एक जनवरी 2013 स 20टा जिला मे एकर शुरुआत भ गेल अछि। शेष बचल 23टा जिला मे स 11टा जिला मे एकरा एक फरवरी स आ बाकी 12टा जिला मे एक मार्च, 2013 स लागू कैल जाएत।
चिदंबरम कहला जे एखन आधार कार्ड क अनिवार्यता नहि अछि आ अगर ओ सब्सिडी स्कीम क तहत शामिल छथि त हुनकर बैंक खाता मे सब्सिडी क राशि जाएत। ओ दावा केलथि जे चयनित जिला मे जिनका एहि स्कीम क तहत शामिल कैल जाएत हुनकर बैंक खाता खोलल जा चुकल अछि।

एहि जिला सब मे लागू भेल योजना:-
1. तुमकुर
2. मैसूर
3. धारवाड़
4. पुडुचेरी
5. चंडीगढ़
6. एसबीएस नगर, नवाशहर
7. पूर्वी निमाड़ [खंडवा]
8. उत्तर-पूर्व दिल्ली
9. उत्तर-पश्चिम दिल्ली
10. होशंगाबाद
11. हरदा
12. अजमेर
13. उदयपुर
14. अलवर
15. हैदराबाद
16. अनंतपुर
17. चित्तूर
18. पूर्वी गोदावरी
19. दीव
20. दमन
पहिल चरण मे शामिल सब्सिडी स्कीम
1. अनुसूचित जाति लेल मैट्रिक क बाद छात्रवृत्ति योजना
2. अन्य पिछड़ा वर्ग लेल मैट्रिक क बाद छात्रवृत्ति योजना
3. अनुसूचित जनजातियों लेल मैट्रिक क बाद छात्रवृत्ति योजना
4. अनुसूचित जाति क छात्र सब लेल मैट्रिक क पूर्व छात्रवृत्ति योजना
5. इंदिरा गांधी मातृत्व सहयोग योजना
6. धनलक्ष्मी योजना
7. रोजगार तकनिहार अनुसूचित जाति आ जनजाति क लोक कए प्रशिक्षण देबा क योजना

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

विलेज टूरिज्म लेल आदर्श बनल सिंगाही गाम

Esamaad Epaper Website

पर्यटन क क्षेत्र मे सेहो बिहार क पैघ छलांग

Esamaad Epaper Website

छह जनवरी कए बिहार अउताह मारीशस क राष्ट्रपति

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि