• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला कए झटका, डालमिया नहि लेत लौहट मिल

November 29, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्‍ली। अशोक पेपर मिल, रैयाम आ सकरी चीनी मिल क बाद आब लौहट चीनी मिल खुलबाक संभावना तत्‍काल खत्‍म भ गेल। मिथिला क्षेत्र क औद्योगिक विकास क सपना देखनिहार लेल इ एकटा पैघ झटका कहल जा सकैत अछि। लौहट मिल लेल चयनियत डालमिया समूह साफ क देलक जे लौहट मे कोनो निवेश नहि करत। डालमिया ग्रुप क एकटा पैघ अधिकारी एहि गप क जानकारी देलथि अछि। ओ कहला जे मधुबनी जिलाक लौहट चीनी मिल लेल कंपनी बिहार सरकार संग संपर्क में छल आ लौहट मिल लेबा लेल इच्‍छुक छल, मुदा किछु स्‍थानीय समस्‍या कए देखलाक बाद कंपनी महाराष्‍ट्र क कोल्‍हापुर मे एकटा चीनी मिल क अधिग्रहण करबा क फैसला लेलक अछि। कंपनी बिहार सरकार कए एहि संबंध मे सूचना द देलक अछि जे ओ लौहट चीनी मिल लेबा मे आब इच्‍छुक नहि अछि।
ज्ञात हुए जे 28 मार्च कए राज्य मंत्रिमंडल लोहट चीनी मिल कए 30 साल लेल निजी कंपनी कए लीज पर देबाक फ़ैसला केने छल। लोहट चीनी प्रसिद्ध उद्योगपति डालमिया क कंपनी कए लीज देल गेल छल। एहि मिल स चीनी आ इथेनॉल क उत्पादन करबाक योजना छल। सरकार डालमिया कए लोहट क जमीन पर एकटा विद्युत संयंत्र लगेबा लेल सेहो कहि रहल छल, मुदा कंपनी एहि लेल बेसी उत्‍साहित नहि छल। कंपनी इ खुलासा नहि केलक अछि जे आखिर कोन स्‍थानीय कारण रहल जे ओ एहि परियोजना स अपन हाथ खींच लेलक, मुदा जानकारक कहब अछि जे मिल मामला मे मधुबनी क एकटा नेता क गैर जरूरी हस्‍तक्षेप एकर कारण भ सकैत अछि। कारण चाहे जे हुए मुदा एतबा जरूर अछि जे डालमिया लेल निवेश क नजरि स मधुबनी स बेहतर कोल्‍हापुर भ गेल आ ओ लोहट स हाथ खींच लेलथि। आब देखबाक चाही जे बिहार सरकार एहि मिल लेल फेर कहिया टेंडर करैत अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

विकास दर मे बिहार फेर महाराष्‍ट्र स आगू

मिथिला क देन छी मध्य काल क नव्य न्याय क भाषा : झा

धरोहर छी बंगाल क इ दोसर सबस पुरान अस्‍पताल : नायक

Comments 2

  1. BIRENDRA NARAYAN JHA says:
    12 years ago

    Padhi ka dukh bha rahal aichhi

    Reply
  2. Hem Kant Jha says:
    12 years ago

    padhi bahut dukh bhel pata ne Mithila k ki bhawisya chhai

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि