पटना। काफी साल स लटकल राज्यक जल विद्युत परियोजना कए आखिरकार मंजूरी भेट गेल। मंजूरी स पैघ गप इ जे टका सेहो आवंटित भ गेल, जाहि स इ उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे अगिला दो-चारि साल मे राज्य मे जल विद्युत क योगदान सेहो उल्लेखनीय भ जाएत। जानकारीक अनुसार नाबार्ड राज्यक पांचटा जल विद्युत परियोजना कए ऋण क स्वीकृति प्रदान क देलक अछि। परियोजना सब स 2014 तक विद्युत उत्पादन शुरू भ जेबाक दावा कैल जा रहल अछि। अधिकतर परियोजना मिथिला क्षेत्र स जुडल अछि। ऊर्जा विभाग क अनुसार कोसी क निर्मली मे 8 मेगावाट क्षमता क जल विद्युत परियोजना लेल 61.86 करोड़ टका क विरुद्ध 2.90 करोड़ ऋण क स्वीकृति द देल गेल अछि। अररिया जिला क बथनाहा मे फेज एक क तहत 8 मेगावाट क परियोजना लेल 56.49 करोड़ क विरुद्ध 4.11 करोड़, औरंगाबाद क सिपहा मे 1000 किलोवाट यूनिट लेल 12.07 करोड़ क विरुद्ध 16.39 लाख, मधेपुरा क अरारघाट मे 6 मेगावाट क परियोजना लेल 65.44 करोड़ क विरुद्ध एहि साल 3.70 करोड़ क स्वीकृति प्रदान कैल गेल अछि। डिहरी लघु जल विद्युत परियोजना क स्कैप चैनल लेल सेहो 11.20 करोड़ क विरुद्ध 1.82 करोड़ देल जा चुकल अछि। इस सबटा राशि जल विद्युत निगम कए राज्यांश क रूप मे देल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper
That is really great news. At last something is happening to improve electric condition in the area.