बिहार मे लिट्टी क बाद मिथिला क दही बनत सबस पैघ खाद्य ब्रांड
समस्तीपुर । मिथिला क दही क आनंद आब देश नहि बल्कि विदेशक लोक सेहो उठा सकताह। मिथिला डेयरी क पांच लाख लीटर दूध प्रसंस्कारण प्लांट बहुत जल्द शुभारंभ भ रहल अछि। एहि प्लांट कए चालू भेलाक बाद मिथिला अपन दही क उत्पाद विदेश मे सेहो निर्यात क सकत। एहि प्लांट मे दूध क पाउडर, आइसक्रीम आ टेबुल बटर तैयार कैल जाएत, मुदा मुख्य रूप स एहि ठाम दही क उत्पादन होएत जेकरा विदेश तक पठाउल जाएत। मिथिला क दही क ख्याति एतबा अछि जे निर्यातक कए एकर लोकप्रियता पर तनिक संदेह नहि अछि। प्रोजेक्ट स जुडल एकटा अधिकारी कहला जे बिहार मे लिट्टी क बाद मिथिला क दही सबस पैघ खाद्य ब्रांड क रूप मे देखल जा रहल अछि। जानकारी क अनुसार मिथिला डेयरी एखन दरभंगा, समस्तीपुर आ मधुबनी स लगभग 3.50 लाख लीटर दूध क संकलन रोजाना करैत अछि। डेयरी क अधिकारी क कहब अछि जे स्थानीय बाजार मे दूध क खपत महज एक लाख लीटर अछि। एहन मे किसान कए बेसी स बेसी लाभ भ सकए ताहि लेल डेयरी पैघ मात्रा मे दूध दिल्ली समेत कईटा राज्य कए निर्यात करैत अछि। पदाधिकारी क कहब अछि जे दूध क बढि रहल उत्पादन कए देखैत डेयरी अपन प्लांट लगेबाक फैसला केलक अछि। एहि प्लांट मे रोजाना 3 मीट्रिक टन दूधक पाउडर बनाउल जा सकत। दूधक सामान क निर्यात भेला स किसान कए उचित मूल्य भेट सकत आ मिथिला दूध क अपन पहचान फेर स पाबि सकत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर
सभ दही आहाँ विदेशे पठवा देवै?
Samachar nischit rup san khusi aa utsahbardhak achhi. Banijyik gatibidhi jabat mithlanchal me nahi badhat tabat vikasak sab bat nirarthak rahat. Sangahi satarkta seho jaroori achhi, karan ahi bahane mithila dairik sab product niryat ne bha jay. Lagn ke samay me doodh-dahik killat ken dairy- management sahi vipnan ka akhan dhari thik nahi ka payal achhi, jakara karan doodhak kalabajari hoit achhi.
kichu hamro sab ke patha deb…………