विद्यापति स्मृति पर्व समारोह शुरू
सीएम नीतीश कुमार केलथि उद्घाटन
रिंकू कुमारी
पटना। हमर मिथिला मे एकटा प्रचलन अछि जे कि हम दरवाजा पर जेकरा बजावै छियै, ओकरा स किछु नई मांगै छियै। बिहार विधान परिषद क सभापति ताराकांत झा जखन सीएम नीतीश कुमार क स्वागत करैत ऐना कहलखिन त चारू कात ठहका गुंजए लागल, मुदा सीएम सेहा अपन उत्तर मे मैथिल भाव कए नहि बिसरलथि आ कहलथि जे हम मिथिला क प्रगति क बिना आगू बढि़ए नहि सकैत छी। बिहार क विकास मिथिला क विकास स जुड़ल अछि। ओनाहि जेना बिना बिहार क विकास क भारत क विकास संभव नहि अछि।
एहि स पूर्व शनि दिन विद्यापति भवन मे विद्यापति पर्व समारोह क विधिवत उद्घटन भेल। बहुत दिनक बाद बिहारक कोनो मुख्यमंत्री एहि कार्र्यक्रमक उद्घटन करबा लेल आयल छलाह। तीन दिवसीय एहि पर्व का उद्घाटन करैत श्री कुमार कहला जे बिहार कए एक करबाक जरूरत अछि आ एकर शुरुआत भ चुकल अछि।
अमरेश पाठक कए भेटल मैथिली साहित्य पुरस्कार
एहि मौका पर मैथिली मे विशेष योगदान देबा लेल डॉ अमरेश पाठक कए मैथिली साहित्य स सम्मानित कैल गेल। एकर अलावा संस्कृत साहित्य क लेल डॉ किशोर नाथ झा, मंचकला क लेल कौशल कुमार दास, शिल्पकला लेल शंाति देवी, चेतना सेवी सम्मान डॉ वासुकी नाथ झा, कीर्ति नारायण मिश्र साहित्य सम्मान डॉ उदय नारायण सिंह, सुलभ समाज सेवा पुरस्कार मनीष कुमार झा, यात्री चेतना पुरस्कार डॉ प्रेम शंकर सिंह कए, डॉ माहेश्वरी सिंह महेश ग्रंथ पुरस्कार श्रीमति कामिनी कए देल गेल। एहि मौका पर बिहार विधान परिषद क सभापति आ कार्यक्रम क मुख्य अतिथि ताराकांत झा कहलथि जे विद्यापति पर्व एकटा समाजिक पर्व छी। ओ चेतना समिति कए संबोधित करैत कहला जे आब मिथिला मे आथर््िाक आ सामाजिक परिवर्तन क जरूरत अछि। एहि मौका पर समिति क अध्यक्ष विजय कुमार मिश्र आगत पाहुनक स्वागत केलथि। ओ कहलथि जे मैथिली कए प्राथमिक स्तर पर अनिवार्य विषय अनाउल जाए। एहि अवसर पर समिति क सचिव विवेकानंद झा मैथिली क प्रतिवेदन सीएम क सामने रखलथि।
शुक्रिया समाद टीम क, कि अहां खबर क लेकर सचेत छी, मुदा ताराकांत झा के वक्तव्य स हम मौजूदा समय में खुश नहीं छी।
झा साब कहलखिन कि जकरा दरवाजा पर बजबै छिए ओकरा सं किछु नहीं मांगे छिए..गप्प त सत्य छै लेकिन मौजूदा वक्त में कि इ तथ्य ठीक छै।
नीतीश सीएम छैथ. मिथिलांचल क विकास लेल यदि मांगब नै त जानि लि भेटबो नै करत। लोकतंत्र में अपन अधिकार अछि कि जनप्रतिनिधि हमर गप्प सुनै और काज करै..त क्याक नै नीतीश क समक्ष मिथिलांचल क विकास लेल ब्लू प्रिंट पेश करल गेल।
इ मुद्दा पर समाद चर्चा कराबे त निक होयत और छैन क गप्प सेहो निकलत। शुक्रिया
बहुत बढ़िया |