• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला महोत्सव 2013 संपन्न्

November 19, 2013
in समाचार
A A

mithila mahotsav

मनीष झा “बौआभाइ’‘

नई दिल्‍ली : अखिल भारतीय मिथिला संघ, दिल्ली केर तत्त्वाधान में आयोजित दू दिवसीय मिथिला महोत्सव रविदिन यानी १७ नवम्बर २०१३ क’ सफलतापूर्वक संपन्न भेल।ज्ञात हो कि कार्तिक धवल त्रयोदशी तदनुसार शनि दिन दिनांक १६ नवम्बर क’ पहिल दिन  मावलंकर हॉल,दिल्ली में दू सत्र मे मैथिलीक संस्कार,कला,संस्कृति,समाज आदि विषय पर संगोष्ठी आयोजित भेल जाहि मे आमंत्रित छलथि मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार -डा वीरेन्द्र मल्लिक,डा देवशंकर नवीन,डा अशोक अविचल,डा उषाकिरण खान,महेन्द्र मलंगिया,डा अयूब राइन,डा अजय झा,डा प्रेम शंकर सिंह,डा रामी झा,प्रवीण नारायण चौधरी,डा विद्यानाथ झा विदित,प्रदीप बिहारी,काश्यप कमल,डा अशोक कुमार मेहता आदि जे कि मैथिली कला संस्कृति केर वर्त्तमान,अतीत आ भविष्य पर अपन अपन मंतव्य रखलथि।

संगोष्ठी के पश्चात सांस्कृतिक कार्यक्रमक क्रम में जे गवैया आ गीतगाइन लोकनि अपन मंचोपस्थिति देलथि ताहि में मुख्य छलथि: रश्मि रानी,नन्द जी (नवल-नन्द),सुनील कुमार पवन,गुड्डी पाण्डे आदि।  एहि पहिल दिनक आयोजन में दू टा बहुचर्चित राजनैतिक छवि शीला दीक्षित, मुख्यमंत्री, दिल्ली आ बेनीपट्टी क विधायक सह प्रवक्त्ता,बिहार बीजेपी क विनोद नारायण झा सेहो प्रेक्षक कए सम्बोधित केलथि। मैथिली साहित्य/संगीत क्षेत्रक दिग्गज कवि/गीतकार सियाराम झा सरस सेहो दर्शक क बेस मनोरंजन करोलथि। सांस्कृतिक कार्यक्रम क पश्चात रंगमण्डल, बेगूसराय दिस स’ अनिल पतंग लिखित आ मनोरंजन मधुकर निर्देशित लोक नाट्य जट-जटिन क प्रस्तुति सेहो अद्भुत छल।कार्यक्रमक अंतिम पड़ाव में मधुबनी जिलाक दीप गोधनपुर स’ आयल पमरिया आ ताहि समूह द्वारा प्रदर्शित पमरिया नाच प्रेक्षागृह मे उपस्थित प्रेक्षक क बान्हि रखबा मे निश्चितरूपेण स‍फल रहल। हॉल स बाहर विभिन्न प्रकारक स्टॉल सेहो बेस आकर्षित करैत छल जेना कि : कचरी-मुरही,तिलकोरक तरुआ,पथिया-मौनी,अदौरी-दनौरी,मिथिला पेन्टिंग आ मैथिलीक पुस्तक,मैथिली कैसेट्स आ पत्रिका आदि क स्टॉल।

दोसर दिन यानी १७ नवम्बर २०१३ केर आयोजन हेतु स्थान चयनित छल हिन्दी भवन,दिल्ली, जाहि मे मलंगिया आर्ट्स क प्रस्तुति आ अखिल भारतीय मिथिला संघ क संयोजकत्व मे आयोजित भेल “मिथिला फ़िल्म फेस्टिवल”। एहि फ़िल्म फेस्टिवल हेतु क़रीब तीन दर्जन स’ बेसी  फ़िल्म प्रस्तावित छल मुदा समयाभाव मे किछुए फ़िल्म प्रदर्शित भेल । प्रदर्शित भेल फ़िल्म मे मैथिल समाजक समस्या पर आधारित फ़िल्म “अफवाह” (लघुफिल्म), निर्देशक-पूर्णेन्दु कुमार झा । “मिथिलाक संस्कार गीत”(वृत्तचित्र), निर्देशक-कुणाल । “मिथिलाक परम्परा”(वृत्तचित्र), निर्माता-कौशलेश चौधरी,निर्देशक-कुणाल। “प्रतिवादी चेतना का लैम्प पोस्ट : राजकमल चौधरी”, निर्देशक-मनोज श्रीपति आ अंत में प्रदर्शित भेल बाल मनोविज्ञान आ बली प्रथा पर आधारित लघुफ़िल्म “रक्त तिलक” जकर निर्देशन केने छथि मनोज श्रीपति। उपरोक्त सभ फ़िल्म आ वृत्तचित्र पर उपस्थित विशेषज्ञ द्वारा सविस्तृत समीक्षा भेल आ एना कही जे महोत्सव पूर्ण सफल आ उद्देश्यपूरक रहल।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

राजकमल चौधरीक वृत्तचित्रक प्रस्तुति के पश्चात आ समीक्षा स पूर्व किछु क्षण के लेल जेना मंच पर विषयांतर सन परिस्थिति बनि गेल छल मने ई कही जे समीक्षा स बेसी व्यवसायिक आ व्यवहारिक कटुता देखबा में आओल जे कि अंत में आरोप प्रत्यारोप सन भयंकर स्थिति बना गेल। राजकमल चौधरीक जीवन स जूड़ल हरेक जानकारीक संकलन उपलब्ध करौनिहार संकलनकर्ता डा देवशंकर नवीन केर ह्रदय में टीस दृष्टिगोचर होइत छल कारण सम्पूर्ण फ़िल्म में हुनक कतहु चर्चा मात्र नहि छनि आ प्रायः साहित्यकार संग ई बिडम्बना पूर्वहि स होइत आयल अछि जकर एक साक्ष्य महेन्द्र मलंगिया सेहो प्रस्तुत केलनि। दोसर दिस एहि वृत्तचित्रक निर्देशक मनोज श्रीपति अपन सफाई दैत एक दिस ई कहलनि जे जे ध्यान स देखल जाय त हम अपनहु नामक चर्चा नहि केने छी मुदा दोसर दिस इहो कहलनि जे एहि सहयोग के रूप मे हम हुनक यथोचित पारिश्रमिक दय देने छियनि। आब एहि ठाम एक विचारणीय प्रश्न ई जे कोनो साहित्यकार वा संकलनकर्ता के लेल किछु चंद पारिश्रमिक दय हुनक नामक उल्लेख वा चर्च नै करब हुनक सम्मान के लेल कतेक उचित?

समीक्षक मंडल में मुख्य छलथि डा देवशंकर नवीन,प्रदीप बिहारी,महेन्द्र मलंगिया,प्रकाश झा, अनिल मिश्रा,भवेश नंदन,अविनाश दास,डा वीरेंद्र मल्लिक,नीरज पाठक आदि। बहुचर्चित राष्ट्रीय-अंतर्राष्ट्रीय फ़िल्म समीक्षक आ आलोचक अविनाश दास जे कि मोहल्ला लाइव के संपादक सेहो छथि । अविनाश दास मैथिली फिल्मक स्तर देखि कहियो ई स्वीकार नहि केलनि जे मैथिली फ़िल्म बज़ार में व्यावसायिक रूप ल सकैत अछि मुदा जखन “अफ़वाह” आ “रक्त तिलक” सनक लघुफिल्मक प्रस्तुतिकरण देखलथि त स्वीकार केलथि आ कहलथि जे हमरा ई स्वीकार करबा मे कनेको संकोच नहि होइयै जे हमर मैथिली फ़िल्म में  मोन स काज कैल जाय त व्यासवसायिक रूप मे स्थापित भ’ सकैत अछि। समीक्षा केर क्रम मे अभिनेता अनिल मिश्रा कला क्षेत्र मे भ रहल भाइ-भतीजावाद पर आपति जतौलथि आ आग्रह केलथि जे प्रशिक्षित आ प्रतिभावान कलाकार क सोझा आनल जाय जाहि स मैथिली भाषाक फ़िल्म सेहो व्यवसायिक रूपे बज़ार में स्थापित भ सकै, संगहि मिथिला क्षेत्रक सिनेमा हॉल मालिक पर दूनेती के आरोप लगबैत कहलथि जे  मैथिलीक अपेक्षा भोजपुरी क विशेष प्राथमिकता देल जाइत छैक ।

प्रेक्षागृह में उपस्थित छलथि फ़िल्म,रंगमंच,कला,साहित्य,समाज आदि स जूड़ल किछु चर्चित छवि जेना कि : विराटनगर स’ प्रवीण नारायण चौधरी (समाजसेवी आ साहित्यकार), सुनील कुमार पवन(लोकगायक),चन्दन झा(निर्देशक),कश्यप कमल(रंगकर्मी), कौशल कुमार(रंगकर्मी),विभय कुमार झा(समाजसेवी),संजय झा-नागदह(समाजसेवी), कवि एकांत झा राजीव (कवि/समाजसेवी) मुकेश झा(अभिनेता),राधाकांत झा(अभिनेता),विमल जी मिश्र(गीतकार),मनीष झा “बौआभाइ”(कवि/गीतकार),अनिल मिश्रा(अभिनेता),राजीव मिश्रा(रेकॉर्डिंग इंजीनियर),दीपक ठाकुर(संगीतकार),मिथिलेश झा(नृत्य निर्देशक) आदि।

अंत में अखिल भारतीय मिथिला संघ केर अध्यक्ष विजय चन्द्र झा एहि महोत्सव में सम्मिलित सभ विधाक कलाकार आ उपस्थित समस्त मैथिलजन केर आभार प्रकट केलथि। राजकमल चौधरी पर आधारित वृत्तचित्र क हिंदी भाषा मे प्रस्तुति पर आपति करैत कहलनि जे विगत ४५ बरखक आयोजन में एहेन पहिल बेर भेल जे एहि मंच पर कोनो न कोनो माध्यमे हिंदी मे प्रस्तुति भेल जे कि नीक गप्प नहि आ आगाँ एहेन नहि होय कारण एहि मंच क गरिमा अपन मातृभाषा ल क बाँचल छैक आ संगहि आह्वान केलथि जे विद्यापति पर्व स्मृति समारोह जेँका नागार्जुन,मणिपद्म आदि-आदि विद्वान सभक नाम पर सेहो आयोजन होय जाहि लेल अलग-अलग संस्था अलग-अलग व्यक्तिक जयंती मनाबथि त’ बेसी उत्तम।

एहि महोत्सवक आ आयोजनक मुख्य कर्ताधर्ता “मलंगिया आर्ट्स” क निदेशक ऋषि कुमार झा सफलतापूर्वक निष्पादन केलथि। सरस जीक गीत आ नन्द जीक समदाओनक संग समाप्‍त भेल मिथिला महोत्सवक।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

नेपाल मे 601टा सीट लेल 65 फीसदी मतदान

Esamaad Epaper Website

नेपाल: संविधान सभा क चुनाव मे यूसीपीएन एम क प्रचंड हारि

Esamaad Epaper Website

राज्य सरकार कराउत अपन टका स तीनटा प्राचीन स्थलक खुदाई

Comments 3

  1. SANJAY JHA - NAGDAH says:
    12 years ago

    बहुत नीक वर्णन केलाह भेल मिथिला महोत्सवक मनीष झा “बौआ भाई ” . धन्यबाद बौआभाई केँ संगहि सहर्ष धन्यबादक पात्र छथि ऋषि जी ई महोत्सबक लेल क्रमबद्ध प्रायः तीन माह दिन – राति एक क हर कार्य के संयोजन विधिवत एहि तरहें केलाह जाहि में कतहु कनिकोटा उन्नीस -बीसक गुंजाइस नहि छल.पुनः एकबेर मिथिला महोत्सव मनेनिहार टीम के ढ़ेरी – ढाकी धन्यबाद !

    Reply
  2. ashok jha says:
    12 years ago

    bhadhiya kaaj bhel.

    Reply
  3. Vikas Kumar says:
    12 years ago

    😉
    बहुत सुन्नर… सब कियो उपस्थित छलाह आ सफल आयोजन भेल .. अप्पन लोक-अप्पन संस्कृति के लग स खूब देख्लों. मोन गद्द-गद्द भ गेल…
    अपने के ढाकी-ढाकी धन्यवाद .

    जय मिथिला जय मैथिलि !!

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि