• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मुंबई लेल विदा भेल बिहारक तरकारी

July 15, 2012
in समाचार, समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। नालंदा स तरकारी क पहिल खेप मुंबई लेल विदा भ गेल। एकर संगहि मुंबई आ बिहार क बीच एकटा नव संबंध सेहो स्‍थापित भ गेल। आब मुंबई क लोक सेहो बिहार क तरकारी क स्वाद ल सकताह। बिहार मे उपजल तरकारी देश क आर्थिक राजधानी मे सेहो बिकायत। नालंदा जिला क आर्गेनिक वेजिटेबल फेडरेशन आओर मुंबई क जैविक सब्जी क विपणन करि रहल कम्पनी आर्गेनिक गार्डन क बीच करार क बाद आइ (15 जुलाई) कए पहिल खेप नालंदा स मुंबई लेल विदा कैल गेल।
नालंदा आर्गेनिक फेडरेशन क अध्यक्ष राकेश कुमार कहला जे समझौता क मुताबिक प्रथम चरण मे नालंदा क जैविक लहसुन आ जैविक आलू मुम्बई पठाउल जा रहल अछि। तरकारी कोनो प्रकार स खराब नहि हुए ताहि लेल एकरा पठेबा लेल वातानुकूलित वाहन क प्रयोग कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे पिछला अप्रैल मास मे आलू क नमूना मुंबई पठाउल गेल छल आ हुनका सब कए आलू नीक लागल। एकर बाद कम्पनी क एकटा दल नालंदा आयल आ अनुबंध केलक। ओ कहला जे आर्गेनिक गार्डन कम्पनी 500 टन जैविक आलू नालंदा स कीन रहल अछि।
कुमार क कहब अछि जे नालंदा क जैविक तरकारी क मांग देश क करीब-करीब सब क्षेत्र मे अछि। एहि स तरकारी उत्पादक कए सेहो मुनाफा भ रहल अछि। ओ कहला जे सबस पैघ गप इ जे कृषक कए अपन उत्पाद बेचबा लेल बाजार तकबाक आवश्यकता नहि अछि, जखन कि हुनकर उत्पाद घर बैसल नीक दाम पर बिका रहल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क गृह जिला नालंदा क देशपुरवा क किसान जैविक तरीका स कैल गेल खेती क माध्यम स एहि वर्ष प्रति हेक्टेयर 729 क्विंटल आलू क उत्पादन केलक अछि। वैज्ञानिक क कहब अछि जे उपलब्ध आंकडा क मुताबिक एतबा उत्पादन कतहु संभव नहि भ सकल अछि। फसल जांच सांख्यिकी विभाग द्वारा निर्धारित मापदंड क अनुसार 10.05 मीटर क्षेत्रफल स निकालल गेल आलू क वजन 364.5 किलोग्राम पाउल गेल छल। गौरतलब अछि जे किसान आलू क खेत मे गोबर क खाद, वर्मी कम्पोस्ट, वॉम स्टार सहित कईटा चीज क प्रयोग कैल गेल आओर नीक उत्पादन हासिल भेल।
नालंदा मे राज्य जैविक सब्जी प्रोत्साहन कार्यक्रम क तहत 2500 हेक्टेयर मे किसान कए जैविक उत्पाद क्रय करबाक लाभ देल जा रहल अछि। बिहार विधानसभा मे मुख्यमंत्री सेहो नालंदा क किसान कए आलू उत्पादन मे रिकार्ड बनेबा लेल बधाई देने छलाह। एखन धरि इ रिकार्ड हॉलैंड लग छल जतए प्रति हेक्टेयर 535 क्विंटल आलू क उत्पादन भेल छल।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Tags: bihar newslatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila news

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार कए पछुआ देलक दिल्‍ली

Esamaad Epaper Website

अपन क्षेत्र लेल आवाज उठेबा मे बिहारक अधिकतर सांसद बौक

Esamaad Epaper Website

आब कोसी मैया पर अछि पटरी बचेबाक जिम्‍मा

Comments 2

  1. Dr. Shashidhar kumar says:
    13 years ago

    मुंबई लेल विदा भेल नालन्दाक तरकारी — उपयुक्त शिर्षक ।

    Reply
  2. bahut sundar baat says:
    13 years ago

    bahoot sundar baat

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि