मुजफ्फरपुर। बिहार विश्वविद्यालय खेल-कूद कए बढ़ावा देबा लेल एमएसकेबी महिला महाविद्यालय मे इंडोर स्टेडियम बनाउत। निर्माण पर 63 लाख खर्च होएत। विश्वविद्यालय अनुदान आयोग स्वीकृति क संगहि प्रथम किस्त क राशि पठा देलक अछि। 11म पंचवर्षीय योजना मे एहि संबंध मे प्रस्ताव यूजीसी कए पठाउल गेल छल। एहि स छात्रा सब मे खुशी क लहर अछि। एमएसकेबी महाविद्यालय क प्राचार्या डा. ममता रानी कहलथि अछि जे जिला मे महिला लेल अलग स इंडोर स्टेडियम नहि अछि। कॉलेज मे निर्माण भेला स छात्रा सब कए काफी फायदा होएत। निर्माण कार्य शुरू करि देल गेल अछि। साल क अंत तक तैयार भ जाएत।
एमएसकेबी बिहार विश्वविद्यालय क पहिल एहन महिला कॉलेज बनत जतए इंडोर स्टेडियम क निर्माण कैल जाएत। शहर मे तीनटा महिला कॉलेज अछि। मुदा, आरबीबीएम स लकए एमडीडीएम कॉलेज तक मे छात्रा कए इ सुविधा नहि अछि।
कॉलेज कए हर दृष्टि स सुसज्जित कैल जा रहल अछि। परिसर मे भव्य बिल्डिंग क निर्माण कराउल गेल अछि। डीएसटी क राशि स लैब कए दुरुस्त कैल जा रहल अछि। स्टेडियम निर्माण क काज शुरू भ गेल अछि। परिसर क मुख्य द्वार क समीप एकर निर्माण काज कराउल जा रहल अछि। तीन तल्ला स्टेडियम मे कोर्ट क संग खिलाडी क रहबाक सुविधा आ गैलेरी सेहो रहत। एहि मे छात्रा सब बैडमिंटन, टेबुल टेनिस, कैरम, चेस आदि खेल क आनंद उठा सकतथि। एकर अलावा यूजीसी स्टेडियम क बाहर परिसर क जीर्णोद्धार लेल सेहो राशि उपलब्ध करा देलक अछि। ग्राउंड कए लॉग टेनिस आ वॉलीबाल खेल लेल तैयार करबाक योजना अछि। एकरा लेल 15 लाख क राशि अलग स देल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper