मुजफ्फरपुर : अगर सबकुछ ठीक-ठाक रहल त मुजफ्फरपुर मे मिथिला क पहिल भूमिगत पार्किंग क निर्माण काज एहि सालक अंत तक शुरू भ जाएत। तिरहुत प्रमंडलक मुख्यालय मुजफ्फरपुर मे जाम क समस्या क निराकरण लेल जिला प्रशासन ओवरब्रिज बढेबाक संगहि समुचित पार्किंग क व्यवस्था सेहो क रहल अछि। योजना अगर मूर्त रूप लेलक त शहर क लोक कए वाहन लगेबा लेल जगह तकबाक जरूरत नहि रहत। जिलाधिकारी अनुपम कुमार क मुताबिक, महानगर क तर्ज पर शहर मे छह टा पार्क क निर्माण कैल जाएत आ प्रत्येक पार्क क भीतर वाहन लगेबा लेल अंडर ग्राउंड पार्किंग स्थल बनत, ताकि लोक कए गाड़ी लगेबा लेल जगह क अभाव नहि हुए। जिला प्रशासन शहरी क्षेत्र मे एकरा लेल जगह ताकब शुरू क देलक अछि। स्थल भेटलाक बाद एकरा लेल डीपीआर बनत। स्थल चयन आ डीपीआर बनेबाक काज बरसात खत्म भेला स पूर्व क लेबाक अछि। नगर विकास विभाग क अनुसार शहर मे निर्माण क आस मे पडल चारिटा पुरान पार्क क सेहो निर्माण जल्द शुरू होएत। डीएम डूडा कार्यपालक अभियंता कए सिटी पार्क, इंदिरा गांधी प्रियदर्शनी, समाहरणालय स्थित पार्क आ जुब्बा सहनी पार्क क पुनरीक्षित प्राक्कलन तैयार क शीघ्र निविदा क प्रक्रिया शुरू करबाक निर्देश देलथि अछि। एकर संगहि शहर मे चारिटा ओवरब्रिज क निर्माण कैल जाएत। जिला प्रशासन एकरा लेल सेहो जगह चिह्नित क प्रारंभिक प्रस्ताव नगर विकास विभाग कए पठा देलक अछि। नवका ओवरब्रिज सरैयागंज टावर, कल्याणी, अखाड़ाघाट पुल लग आ मिठनपुरा मे बनत। विभाग स बजट क स्वीकृति भेटला पर डीपीआर बनेबाक काज शुरू होएत। एहि साल एकर निर्माण क सेहो प्रक्रिया शुरू भ जेबाक उम्मीद अछि। एहि फ्लाई ओवर ब्रिज क निर्माण भ गेला स शहर मे जाम क समस्या स निजात भेटत जाएत।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa