दरभंगा। देश क पूर्व राष्ट्रपति आ मिसाइल टेक्नॉलॉजी क जनक बच्चा क वैज्ञानिक जिज्ञासा शांत करबा लेल अपन दू दिवसीय प्रवास पर दरभंगा पहुंचलाह। डा. कलाम पोलो मैदान स्टेडियम मे चारि दिवसीय मेगा साइंस फेयर मे हिस्सा लेताह। एकर उद्घाटन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 24 दिसंबर क भोर मे करताह।
जानकारी क अनुसार डा कलाम सांझखन पटना स सीधा दरभंगा पहुंचलाह। हुनक सांझखन साढे़ छह बजे मेडिकल कॉलेज आडिटोरियम मे जिला क बुद्धिजीवि संग वार्ता क कार्यक्रम अछि। संगहि गुमनाम सामाजिक कार्यकर्ता स विचार विमर्श क सेहो कार्यकम अछि। एक घंटा क एहि कार्यक्रम क बाद ओ पत्रकार संग गप करताह।
भारत विकास फाउंडेशन आ अगस्टा फाउंडेशन, बंगलुरू क संयुक्त आयोजन में भ रहल एहि कार्यक्रम मे डा कलाम करीब 3000 छात्र-छात्रा क संग वार्तालाप करताह। एहि कार्यक्रम लेल मिथिला क ग्रामीण आ शहरी इलाका क करीब 2000 स्कूल क 3000 बच्चा क चयन कैल गेल अछि। जखन कि स्टॉल लगेबा लेल 300 छात्र-छात्रा कए चयन भेल अछि। एहि कार्यक्रम लेल दरभंगाक अलावा मधुबनी, सुपौल, समस्तीपुर, सीतामढी, मुजफफरपुर, सीवहर आदि जिलाक छात्र-छात्रा दरभंगा पहुंच रहल छथि।
अगस्टा अंतरराष्ट्रीय फाउंडेशन,बंगलुरू के अध्यक्ष रामजी राधवन कहला जे एहि आयोजन क पाछु ग्रामीण बच्चा मे वैज्ञानिक सोच कए जांचब आ ओकरा विकसित करब अछि। एहि ठाम स चयनित बच्चा आंध्रप्रदेश क कुप्पन मे आयोजित भ रहल विज्ञान प्रदर्शनी मे हिस्सा लेबा लेल पठाउल जाएत। ओ इ जानकारी सेहो देलथि जे एहि आयोजन लेल डा कलाम 25 लाख टका दान देलथि अछि। ओ कहला जे बिहार क छात्र लेल छात्रवृति योजना सेहो शुरू कैल जा रहल अछि।
देसर दिस मेगा साइंस फेयर क तैयारी कए अंतिम टच देल जा चुकल अछि। भारत फाउंडेशन आ अगस्टा बंगलुरू क वैज्ञानिक संग तैयारी समिति कोर कमेटी क अध्यक्ष डा. मानस बिहार वर्मा, प्रख्यात चिकित्सक डा. गणपति मिश्रा, प्रधानाचार्य डा. विद्यानाथ झा, डा. शमीम अहमद, नारायण जी चौधरी, प्रो. डा. हरेकृष्ण चौधरी, सी रंगनाथन आदि नेहरू स्टेडियम मे तैयारी क समीक्षा केलथि।
मेगा साइंस फेयर मे प्रदर्शित भ रहल मॉडल क संबंध मे आंगतुक छात्र कए विस्तार स बतेबा लेल स्थानीय कालेज आ स्कूल स कुल 300 छात्र छात्रा क चयन कैल गेल अछि। एहि मे असगर एमएआरएम स्कूल लालबाग क 25टा छात्रा शामिल छथि। चयनित छात्र क प्रशिक्षण आ फेयर क नियम स अवगत करेबा लेल पोलो मैदान मे आइ विशेष सत्रक आयोजन भेल।
24 दिसंबर क भोर 10 बजे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग पोलो मैदान स्टेडियम मे मेगा साइंस फेयर क उद्घाटन करताह। स्टेडियम मे दूटा पैघ पैघ पंडाल बनाउल गेल अछि। एक एक पंडाल मे 75-75टा विज्ञान क मॉडल लगाउल जाएत, जेकर प्रदर्शन मिथिला क 300 चयनित छात्र छात्रा करतथि। अलग पंडाल मे डा. कलाम छात्र छात्रा क संग सीधा संवाद करतथि। स्कूल सब साइंस फेयर लेल छात्र छात्रा कए परिचय पत्र वितरित क देलक अछि। बच्चा क संग एकटा शिक्षक सेहो साइंस फेयर मे पठेबा लेल स्कूल सब स कहल गेल अछि। श्री राघवन कहला जे बच्चा कए विज्ञान स अवगत करेबा लेल किछु खास यंत्र बेंगलुरू स दरभंगा मंगाउल गेल अछि, जे बच्चा कए विज्ञान कए बझबा मे सहायक होएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर