पटना । जी हां, इ कोनो मजाक नहि अछि। सब किछु ठीक रहल त अगिला किछु मास मे प्रदेश क इंजीनियरिंग आ अन्य शिक्षण संस्थान क छात्र कए आइआइटी आ अन्य प्रसिद्ध तकनीकी शिक्षण संस्थान क लेक्चर कए मैथिली, भोजपुरी सन भाषा मे सेहो सुनबाक सुविधा भेटत। एहन संभव भ सकत ‘रिमोट सेंटर’ स, जेकर स्थापना क तैयारी पटना विश्वविद्यालय क कंप्यूटर सेंटर क रहल अछि। एकरा लेल केंद्र सरकार क ‘नेशनल मिशन फार एजुकेशन थ्रू इंफारमेशन एंड कम्युनिकेशन टेक्नोलाजी’ (एनएमईआइसीटी) तकनीक आ सुविधा उपलब्ध कराउत। कंप्यूटर सेंटर क इंचार्ज डा. केपी सिंह क कहब अछि जे 6-7 जून कए पटना में एनएमईआइसीटी क कार्यशाला भेल छल। एकर बाद एहि दिशा मे काज कैल जा रहल अछि। रिमोट सेंटर राज्यक शिक्षण संस्थान आ आइआइटी या अन्य उच्च शिक्षण संस्थान क बीच समन्वयक क काज करत। इ सेंटर आइआइटी सन संस्थान स समय तय करत आ एकर जानकारी राज्य क संस्थान कए देत।
एनएमआइसीटी : ‘नेशनल मिशन फार एजुकेशन थ्रू इंफारमेशन एंड कम्युनिकेशन टेक्नोलाजी’ (एनएमआइसीटी) क संबंध मे श्री सिंह कहला जे एकर स्थापना लोक कए ज्ञान सशक्तिकरण आ क्षमता विकास क माध्यम स अर्थव्यवस्था क उच्च विकास दर कए बना रखबा क उद्देश्य स कैल गेल छल। संगहि ज्ञान क बहुविषयक क्षेत्र कए बढ़ावा देब एकर उद्देश्य छल।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Kono chhatra ken jan apan bhasa me lecture sunak lel bhetay ta e awasya sukhad aa utsahbardhak bat achhi. Khash ka engineering aa anya takniki sikshak lecture aa study matterial apan bhasha me bhetat ta ehi san besi utkrist yogdan IT ken kichhu nahi bha sakait achhi. Jatbak parisram chhatra bhasha ken bujhaba me karait chhathi otabak parisram me o vishay-vastu nik san bujhi sakait chhathi, jakar pratifal medha vikash hoyat.