पटना : भारत क संविधान आब अहाँ मैथिली मे पढि सकैत छी। जी हाँ ! नित्यानंद लाल दास आ भैरव लाल दास क अथक मेहनत सों भारतीय संविधान क मैथिली अनुवाद “भारतक संविधान” हमरा सबहक पढबा लेल भेटत। एहि पुस्तकक विमोचन रबि दिन योजना आ विकासक प्रधान सचिव विजय प्रकाश केलथि। विमोचन समारोह क संबोधित करैत एहि पुस्तक क अनुवादकर्ता आ विधान परिषद् क परियोजना अधिकारी भैरव लाल दास कहलथि की एहि पुस्तकक अनुवाद क प्रेरणा हुनका बिहार कॉलेज ऑफ़ योगा, मुंगेर क लाइब्रेरी से भेटल जाहीठाम हुनका संविधान क पहिल प्रिंट देखबा लेल भेटल। विमोचन क मौक़ा पर ड़ा0 रामानंद झा रमण, प्रो0 रामपाल अग्रवाल, मधुकांत झा, गोविन्द सरहदी, योगेन्द्र नारायण मालिक आदि उपस्थित छलाह।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
रोचक आ उत्साहवर्धक समाद
Nik samad! Lekhakak nik prayas! Asha karab ehi san prerna la sab vidwan apan-apan vishayak pustak Maithili me prakashit karabathi.
bahut nik…..:)