• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मैथिली मोजिल्लाक भविष्य एकर प्रयोक्तासब पर निर्भर करैत अछि : राजेश

September 10, 2012
in समाचार, साक्षात्‍कार
A A

आइ स किछु साल पहिने नेट पर जखन ब्राउजर खोलैत छलहुं त एकटा सपना जेकां छल जे ब्राउजर अपन भाषा अर्थात मैथिली मे उपलब्‍ध रहिते। ओ समय छल नेट क मतलब अंग्रेजी। हिंदी सेहो अंग्रेजीक स्‍थान लेबा लेल प्रयास क रहल छल। एहन मे आइ इ सूचना आनंदविभोर क दैत अछि जे ब्राउजर फायरफाक्स आब अपन भाषा मैथिली मे सेहो उपलब्‍ध अछि। मैथिलक एहि सपना कए साकार केलथि अछि मधेपुरा निवासी राजेश रंजन आ हुनक संग संगीता। मोजिल्ला 15.0 वर्जन उपलब्‍ध करेनिहार एहि मिथिला रत्‍न स इ’समाद लेल विस्‍तार स गप केलथि पत्रकार सुनील कुमार झा। प्रस्‍तुत अछि ओहि गपशप क किछु खास अंश- समदिया

प्र- सबस पाहिने ई कालजयी अविष्कार लेल बहुत बहुत धन्यवाद?
उ- धन्यवाद। ई आविष्कारक श्रेणी मे नहि आबि सकैछ…, आविष्कार त अहां फायरफाक्स कए कहि सकैत छी, हं…ई मैथिली मे आब उपलब्‍ध अछि एकरा मे हमर किछु योगदान अछि आओर एकरा लेल हमसब सौभाग्यशाली छी जे हम अपन बिहारक एकगोट भाषा मे फायरफाक्स बना सकलहुँ।

प्र- मोजिल्ला क लोकलाइजेशनक काज कोना शुरू भेल आ मैथिली मे मोजिल्ला ब्राउजर क ख्‍याल कोना आयल?
उ- हमरा पहिने स मोजिल्लाक हिन्दीक काजक अनुभव छल आओर एकरा स मैथिलीक काज करबामे बहुत मदति भेटल। कंप्यूटर कए अपन भाषा मे करबाक काज कए लोकलाइजेशन कहल जाइत अछि आओर ई एकटा जटिल प्रक्रिया अछि। अनुवाद एकगोट महत्वपूर्ण हिस्सा जरूर अछि मुदा बहुते एहन काज छै जेकर अनुभव रहै पर काज आसान भ जाइत अछि। एतए हमरा हिन्दीक काज करबाक लाभ भेटल। किछु उदाहरणक लेल लिंक देखू – पंजीयन, बगजिला खाता, सर्च ईंजन सेटअप, फायरफाक्स प्रोटोकॉल हैंडलर, न्यूजरीडर सेटअप, लाइवबुकमार्क फीड, फायरफाक्स वेबपार्ट, सूमो, मरक्यूरियल रिपोजिटरी, फायरफाक्स बिल्ड। एकरा अलावा आओर ढेर काज करए पड़ै छै।

प्र- मशीनी शब्द जेना सेंड, रिसीव वा एहन बहुत कूट शब्द क मैथिली अनुवाद मे कोन तरहक दिक्कत आयल?
उ- एकरा लेल हमसब एकटा प्रोजेक्ट अछि फ्यूल, जेकरा तहत एकटा कार्यशाला पटना मे आयोजित कैल गेल छल। ओहि कार्यशालामे पंडित गोविन्द झा, एके झा, रामानंद झा रमण, मोहन भारद्वाज, रघुवीर मोची सहित बीस स बेसी आदमी मौजूद छलाह जतए फ्यूल शब्दावली क निर्माण भेल। एहि स मूल समस्याक निदान भ गेल।

प्र- मैथिली मोजिल्ला क की भविष्य अछि, अंतरजाल पर मैथिली मे मोजिल्ला एला स मैथिली क विस्तार मे कोन तरह सहायता भेटत?
उ- मैथिली मोजिल्लाक भविष्य एकर प्रयोक्तासब पर निर्भर करैत अछि। पहिने फायरफाक्स मैथिली बीटा मे रहै आब अहा एतए देखि सकैत छी जे ई बीटा स हटि क हिन्दी सबहक संग आबि गेल अछि आओर अहाँ एकरा एतए स डाउनलोड क सकैत छी। हमरा ई देखि कए प्रसन्नता होइत अछि जे विदेह एहि पर काफी सहयोग देलक अछि। ज सबलोग क लेल टूल स्तर स वेबसाइट ताकि एकरा पर बहुत काज करबाक आवश्यकता अछि नहि त ओ दिन दूर नहि जखन हमर सबहक भाषाक अस्तित्वक लेल पैघ समस्या भ जाएत।

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

प्र- मैथिली मे मोबाइल अप्लिकेशन वा आन-आन एप्लीकेशन क की सम्भावना/भविष्य अछि?
उ- आब आगा क समय मोबाइलक समय छै, एहि लेल ई जरूरी अछि जे एकरा पर काज कैल जाए। फायरफाक्स मोबाइल ब्राउजरक लेल शीघ्र हम काज आरंभ करब। मोबाइलमे बहुत संभावना अछि एकरा पर ध्यान देब जरूरी अछि।

प्र- अहाक टीम म कतेक लोग अछि, हुनकर की योगदान अछि? टीम कोना काज करैत अछि?
उ- टीम स्वैच्छिक रूपेँ काज करैबला लोकसबहक समूह छै। एकरामे हम, संगीता, प्रतिभा आओर राकेश महत्वपूर्ण छी, जे फ्यूल स लए कए बहुत काजमे मदति करैत रहैत छी। आब व्यक्तिगत रूपेँ हमर काज एतए मेंटरक अछि। ई काज मे सीएसडीएस स जुड़ल सराय मदति केलथि। रविकांत, सतीश, गोरा, अमन, अंकित, पराग सन बहुत लोक स नैतिक प्रोत्साहन भेटल। सब कए बहुत धन्यवाद।

प्र- एखन धरि एकर कतेक डाउनलोड भ गेल अछि।
उ- डाउनलोडक संबंधमे हम अखनि नहि बता सकैत छी, दू-एक महीना क बाद हम मोजिल्ला स इ बुझबाक प्रयास करब…हम एखन पुणे मे छी आओर हम नहि कहि सकैत छी जे एकरा लेल मैथिल की सोचि रहल छथि।..हम मधेपुराक रहनिहार छी आओर मधेपुरामे फायरफाक्सक रीव्यू वर्कशाप भेल छल…जनवरी माह मे…बड़-बुजुर्ग कए बहुत सराहना भेटल छल।

प्र- एकर निर्माण समय मे कोनो एहन क्षण जे इ’समाद संग शेयर करए चाहब?
उ- फ्यूलक कार्यशाला हम नहि बिसरि सकैत छी। खास क गोविन्द झा सन बुजुर्ग लोक दू दिन तक बिनु हिलल-डुलल शब्दक निर्माणमे मदति केलथि। हम हुनका जिनगी भरि नहि बिसरि सकैत छी। एहन नहि अछि जे हम दोसर लोकनिक महत्व कए कम क कए देखि रहल छी। परंच नब्बे बरसक झा इ रूप एकटा साधक सन लागल। हम बस एकटा कार्यकर्ता छी आओर हमरा सब भाषा बहुत नीक लागैत अछि।

प्र- समय देबा लेल बहुत बहुत धन्यवाद?
उ- अहां कए सेहो धन्यवाद।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

दरभंगा क विकास लेल बनए लागल आब पैघ परियोजना : सरावगी

Esamaad Epaper Website

मासक अंत तक भ जाएत पावर ग्रिड संग संयुक्त उद्यम क स्थापना

Esamaad Epaper Website

केंद्र क उपेक्षा-1 : मनरेगा मे सबस कम मजदूरी बिहार मे

Comments 3

  1. Prakash Kumar Jha says:
    13 years ago

    Rajesh Ranjan evam hunak team ke Badhaai aa bahut-bahut dhanyabaad.

    Reply
  2. विनोद says:
    13 years ago

    नीक प्रयास

    Reply
  3. ram naresh sharma says:
    13 years ago

    बहुत बहुत धन्यवाद ।
    हम निक जेकाँ प्रयोग कए रहल छी ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि