• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मोकामा मे बनत समानांतर पुल, कोसी सेतु लेल 30 करोड

February 27, 2015
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

सहरसा आ मधेपुरा मे आब मीटरगेज भेल इतिहास

दरभंगा-समस्तीपुर दोहरीकरण लेल 9 करोड

पटना ।  रेल बजट मे बिहार कए कोनो नव ट्रेन वा नव पटरी त नहि भेटल,  मुदा एकटा आर गंगा पर पुल जरूर भेटल । रेलमंत्री सुरेश प्रभु अपन पहिल बजट भाषण मे बिहार लेल कईटा घोषणा केलथि जाहि मे सबसे महत्वपूर्ण अछि ओ अछि मोकामा पुल क दोहरीकरण । एहि बजट मे एहि लेल 20 करोड़ क राशि आवंटित कैल गेल अछि। नवका पुल वर्तमान पुल क सामानंतर बनत ।  एहि सालक बजट मे ओना त नव लाईन क क्षेत्र मे कोनो नव परियोजना स्वीकृत नहि कैल गेल अछि, मुदा पुरान योजना लेल जाहि रूप स आवंटन भेल अछि ओहि स उम्मीद अछि जे एहि साल सहरसा व मधेपुरा मे मीटरगेज इतिहास भ जाएत। आमान परिवर्तन क क्षेत्र मे मानसी-सहरसा, सहरसा-दौरम-मधेपुरा, मधेपुरा-पूर्णिया कए 75 करोड़, जयनगर-दरभंगा-नरकटियागंज लेल 50 करोड़, सकरी-लौकहाबाजार-निर्मली आ सहरसा-फारबिसगंज कए 42 करोड़, जयनगर-विजलपुरा-वाडीदास एक 44 करोड़ क राशि आवंटित कैल गेल अछि। एहि राशि स सहरसा-मधेपुरा क पुरा क्षेत्र ब्राड गेज सिस्टम स जुडि जाएत। तहिना रक्सौल आ नरकटियागंज क बीच आमान परिवर्तन पूरा भेला पर जयनगर-दरभंगा-रक्सौल-नरकटियागंज होएत गोरखपुर स  नई दिल्ली लेल  एकटा नव मार्ग भेटत। एहि स दिल्ली क दूरी कम भ जाएत । एकर अलावा रेल बजट 2015-16  मे रेल दोहरीकरण स जुड़ल किछु नव परियोजना स्वीकृत कैल गेल अछि, मुदा ओकरा लेल पर्याप्त आवंटन नहि कैल गेल अछि । ओना पुल क क्षेत्र मे गंगा नदी पर मुंगेर आ पटना पुल लेल पर्याप्त धन आवंटित कैल गेल अछि । नव लाइन बिछेबा पर खगड़िया-कुशेश्वरस्थान लेल 15 करोड़,  कोसी पुल लेल 30 करोड़,  हाजीपुर-सुगौली वाया वैशाली लेल 80 करोड़  मुख्य आवंटन अछि ।  दोहरीकरण क क्षेत्र मे महेशखूंट-थाना बिहपुर कए 25 करोड़, हाजीपुर-रामदयालु नगर कए 40 करोड़ क राशि आवंटित कैल गेल अछि । दोहरीकरण मे जे नव परियोजना स्वीकृत कैल गेल अछि ओहि मे मुख्यतः किउल-गया कए 36 करोड़, हाजीपुर-बछवारा कए 16 करोड़, समस्तीपुर-दरभंगा कए 09 करोड़, रमना-सिंगरौली कए 36 करोड़, रमना रोड़-विहमगंज कए 04 करोड़, करेला रोड़-महदिया कए 04 करोड़ भेटल। किउल-गया 23 किलोमीटर, समस्तीपुर-दरभंगा 38 किलोमीटर आ हाजीपुर-बछवारा 72 किलोमीटर परियोजना कए पर्याप्त आबंटन नहि भेट सकल अछि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बाढ क दोसर यूनिट चालू, पहिल फेजक काज सेहो करत एनटीपीसी

Esamaad Epaper Website

जगल सरकार, देलक मंजूरी

गंगेश गुंजन कए विद्यापति पुरस्कार

Comments 1

  1. sachin pradip pawar says:
    10 years ago

    I lika the paja

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि