नई दिल्ली। राजग संयोजक शरद यादव साफ तौर पर कहलथि जे बिहार मे आगामी विधानसभा चुनाव मे जदयू आ भाजपा नहीं, बल्कि राजग चुनाव मे उतरत आ राजग दिस स नरेंद्र मोदी आ वरूण गांधी कए प्रचार क लेल नहि कहल जाएत। यादव कहला जे राज्य मे सीट क बंटवारा आ चुनाव अभियान मे पुरान व्यवस्था जारी रहत।
जदयूक दू दिवसीय राष्ट्रीय कार्यकारिणी क समापन पर जदयू अध्यक्ष आ राजग क संयोजक शरद यादव कहला जे भाजपा आ जदयू मे पिछला विधानसभा चुनाव क दौरान भेल व्यवस्था एहि बेर सेहो लागू रहत। उल्लेखनीय अछि जे 2002 गोधरा दंगा क बाद स मोदी बिहार मे कहियो चुनाव प्रचार नहि करि सकताह अछि। जखकि बिहार मे मुस्लिम वोट कए हासिल करबाक जुगत मे 2009 मे भेल लोकसभा चुनाव क दौरान मोदी क बिहार एबाक कड़ा विरोध भेल छल। वरूण गांधी क बोर मे पूछल गेल एकटा सवाल पर यादव कहला जे वरूण गांधी के छथि। हालांकि यादव दूनू पार्टीक मतभेद कए दरकिनार करैत कहला जे हमर गठबंधन बहुत पुरान अछि आ इ आगू सेहो जारी रहत। बिहार मे कोनो पार्टी नहि, बल्कि गठबंधन चुनाव मैदान मे उतरत।