पटना । बिहार विधानसभा मे वित्त मंत्री सुशील कुमार मोदी 2012-13 क आर्थिक सर्वेक्षण पेश केलथि अछि। एहि मे राज्य क अर्थव्यवस्था क विकास दर 11.95 फीसदी हेबाक दावा कैल गेल अछि । सर्वेक्षण मे राज्य क राजस्व बढ़बाक दावा कैल गेल अछि। पिछला चारि साल मे राज्य क प्रति व्यक्ति आय 11615 स बढि कए 25653 टका भ गेल मुदा एखनो इ राष्ट्रीय औसत स बहुत पाछु अछि । जिला बार आंकडा सेहो राज्यक असंतुलित विकास कए देखार करैत अछि । विकास क वित्तमंत्री मोदीक गृह जिला पटना क प्रति व्यक्ति आय 53531 टका क संग सबस बेसी अछि, जखन कि नेता प्रतिपक्ष अब्दुलबारी सिद्दीकी क गृह जिला दरभंगा 9131 टकाक संग नौअम स्थान पर अछि । शिवहर सबस गरीब जिला अछि, ओहि ठाम प्रति व्यक्ति आय महज 5522 टका अछि। ज्ञात हुए जे आजादीक समय जखन देशवासी क आय एक टका छल त बिहार क लोकक आय 60 पाइ छल, मुदा आइ देशवासी क आय एक टका अछि त बिहार क लोकक आय महज 30 पाइ अछि । एहन मे बिहार क स्थिति 50क दशक स कहीं बेसी खराब कहल जा सकैत अछि ।
ओना बिहार निरंतर आगू बढबाक प्रयास मे लागल अछि जेकर दावा करैत श्री मोदी बिहार कए विदेशी पर्यटक लेल पसंदीदा स्थल बतेलाह। ओ कहला जे अगर देश मे छहटा पर्यटक अबैत छथि त एकटा बिहार अबैत छथि । विदेशी पर्यटक क संख्या बढल अछि। 2011 मे 7.95 लाख विदेशी पर्यटक एलाह। 2007 मे महज 1.77 लाख आयल छलाह। मोदी कहला जे 2005-06 मे विकास कार्य पर व्यय 50 प्रतिशत स कम छल, जे 2007-08 मे 65 प्रतिशत भ गेल। ओ कहला जे 2011-12 मे चाउर उत्पादन 31 लाख टन स बढि कए 82 लाख टन भ गेल अछि। श्री मोदी दावा केलथि जे सितंबर, 2012 तक 939 निवेश प्रस्ताव कए मंजूरी दे गेल। एहि मे 3.19 लाख करोड क निवेश आ 2.27 लाख लोक कए रोजगार भेटल । ओ कहला जे 2007-08 मे राज्य सरकार पर कुल बकाया ऋण 44,475 करोड छल, जे जीएसडीपी क 39 प्रतिशत छल । 2011-12 मे इ अनुपात खसि कए 24 प्रतिशत रहि गेल अछि। मोदी 21 फरवरी कए 2013-14 लेल राज्य क बजट पेश करताह। मोदी लगातार आठम बेर राज्य क बजट पेश करताह ।
प्रति व्यक्ति आय
गोपालगंज- 8665
सारण- 8651
जहानाबाद- 8599
औरंगाबाद- 8350
किशनगंज- 8243
सीवान- 8111
बांका-7968
खगडिया- 7968
कैमूर- 7957
शेखपुरा- 7890
नवादा- 7730
पूर्वी चंपारण- 7640
मधुबनी- 7584
सीतामढी- 7550
अररिया- 7587
अरवल- 7395
सुपौल- 7213
मधेपुरा- 7161
शिवहर- 5522
गोपालगंज- 8665
सारण- 8651
जहानाबाद- 8599
औरंगाबाद- 8350
किशनगंज- 8243
सीवान- 8111
बांका- 7968
मधेपुरा- 7161
शिवहर- 5522
पटना- 53539
मुंगेर- 18669
भागलपुर- 14396
बेगूसराय- 14322
मुजफ्फरपुर- 12246
रोहतास- 11167
लखीसराय- 11084
भोजपुर- 10324
जमुई- 10242
वैशाली- 10063
प. चंपारण- 9910
नालंदा- 9887
कटिहार- 9802
सहरसा- 9770
गया- 9649
दरभंगा- 9131
बक्सर- 8995
समस्तीपुर- 8970
पूर्णिया- 8949
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर
एही डाटाक प्रतीक्षा छल। 2008-12 क बीच प्रति व्यक्ति आयक 9578:12073 रुपयाक अनुपात अछि मिथिलाक 24 जिला आ बाँकी 14 बिहारक जिला मे जकर मुख्य कारण अछि पटनाक केवल विकास । एकर अर्थ ई जे राजधानी जतेकक बनय विकास होयत- मिथिलाक राजधानी अलग भेने मिथिला क्षेत्र क विकास होयत आ शोषणस बांचब। सरकारी दावा विकासक सफ़ेद झूठ अछि कारण एहेने सर्वेक्षण आक विषय मे मोदी 8 वर्ष पहिले सेहो रकहने चहलाह- ओहु समय एहीन अशिवहाए सब्स पिछड़ा॥ लगाइट अछि सब डाटा बनाओल गेल अछि- सती अछिए नही- कोशी क्षेत्र मे एतेक तबाही भेल जे ओ आब शिवहर स नीचा हेबाक छल,
मिथिला राजयक अलावा कोनो विकल्प नही अछि।