विदेशमंत्री सुषमा स्वराज केलथि पहिल शैक्षणिक सत्र क विधिवत उद्घाटन
कईटा देशक राजदूत, बिहार क मुख्यमंत्री आ पूर्व उपमुख्यमंत्री समेत कईटा नेता मौजूद
राजगीर। विदेश मंत्री सुषमा स्वराज शुक्रदिन यूनिवर्सिटी आफ नालंदा क विधिवत उदघाटन केलथि। एकर संगहि उच्च शिक्षा क विश्व मानचित्र पर 821 साल बाद नालंदा क एक बेर फेर उदय भ गेल। एहि अवसर पर विदेश मंत्री कहलथि
जे 800 साल बाद फेर स शुरू भ रहल एहि गौरवशाली विश्वविद्यालय क अकादमिक सत्र क उद्घाटन करब हुनका लेल गर्व क गप अछि। एहि मौके कए पाबि वो सचमुच बेहद उत्साहित छथि । इ हुनकर, बिहार क या भारत क नहि बल्कि विश्व लेल एतिहासिक क्षण अछि। हमर दायित्व अछि जे पुरान गौरव कए लौटा सकी। आइ एकर शुरुआत भ रहल अछि। एहि दौरान बिहार क मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी आ पूर्व उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सेहो उपस्थित छलाह। चारि देश क राजदूत आ करीब आधा दर्जन देश क प्रतिनिधि क मौजूदगी मे राजगीर क कन्वेशन सेंटर मे आयोजित समारोह मे विदेश मंत्री कहलथि जे नालंदा कए आइ पुनर्जिवित नहि कैल गेल अछि किया त नालंदा कोनो संस्था मात्र नहि छल।
ओ कहलथि जे नालंदा एकटा परंपरा अछि आ परंपरा कहयिो मरैत नहि अछि, ओ लुप्त होइत अछि। आइ ओहि लुप्त परंपरा कए संग्रहित संरक्षित कैल जा रहल अछि।
स्वराज कहलथि जे एहि संस्थान कए फेर स बनेबाक सपना 2006 मे डॉ कलाम देखने छलाह। बिहार सरकार एकरा राज्य स्तर पर बनेबाक फैसला लेने छल मुदा एकर महत्व एक देखैत केंद्र एकरा एकटा राज्यस्तरीय संस्थान क बदले
अंतरराष्ट्रीय संस्थान बनेबाक फैसला केलक। पूर्वी एशियाई देश सब जेना एहि संस्थान क स्थापना मे मदद क प्रस्ताव देलक, खास क सिंगापुर क तत्कालीन विदेशमंत्री जार्ज यो क नालंदा प्रस्ताव स एकर महत्व कए बुझल जा सकैत अछि। ओ कहलथि जे इ संस्थान केवल पूर्वी एशिया तक सिमित नहि रहत। कईटा आओर देश एहि मे सहयोग लेल सामने आबि रहल अछि आ हम दरबाजा खोलि रहल छी। स्वराज कहलथि जे केंद्र सरकार एहि संस्थान कए विश्वस्तर क
संस्थान बनेबा लेल कृतसंकल्प अछि। ओ कहलथि जे विश्वविद्यालय क निर्माण प्राचीन नालंदा विश्वविद्यालय स 12 किलोमीटर दूर होएत। केंद्र सरकार अगिला 10 साल मे एकर निर्माण पर कुल 2727 करोड़ रुपया खर्च करत। स्वराज
कहलथि जे एयरपोर्ट सन चीज आब जरुरत नहि अनिवार्य भ गेल अछि ओकर निर्माण हेबाक चाही। एहि स पूर्व बिहर क मुख्यमंत्री जीतनराम मांझी विश्वविद्यालय शुरु भेला पर केंद्र कए धन्यवाद देलथि। मांझी नालंदा लग एयरपोर्ट लेल जमीन देबाक आ विश्वविद्यालय लेल 100 एकड जमीन आओर देबाक घोषणा केलथि। मुख्यमंत्री कहला जे एहि संस्थान क सपना नीतीश कुमार देखलथि आ बिहार सरकार शुरु स एकरा लेल यथा संभव मदद द रहल अछि, आगू सेहो दैत रहत। ओ कहला जे हुनका विश्वास अछि जे इ संस्थान क मदद स बिहार एक बेर फेर विश्व स्तर पर ज्ञान क केंद्र बनत। पहिल शैक्षणिक सत्र क विधिवत उद्घाटन स पूर्व विदेशमंत्री राजगीर क विश्वविद्यालय कैम्पस मे चलि रहल कार्य क निरीक्षण क एकटा गाछ सेहो रोपलथि हुनका मास्टर प्लान सेहो देखाउल गेल। समारोह क दौरान, विश्वविद्यालय क कुलपति गोपा सभरवाल, सिंगापुर, थाईलैंड क राजदूत आ विश्वविद्यालय कए दोबारा शुरू करेबा मे भूमिका निभानिहार कईटा देशक प्रतिनिधि मौजूद छलाह। नालंदा विश्वविद्यालय कए दोबारा शुरू करानिहार पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ कुलाधिपति अमर्त्य सेन समारोह मे मौजूद नहि छलाह। उल्लेखनीय अछि जे 15टा छात्र आ आधा दर्जन संकाय सदस्य क संग एक सितंबर स कक्षा शुरू भ चुकल अछि।
( नोट : जरूर पढू कुमुद सिंह क विशेष संपादकीय- बीएचयू सन नहि भ जाए नालंदा क इतिहास )
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa