लखनऊ। उत्तरप्रदेश स उद्योग सामाजिक व आर्थिक दृष्टि से कमतर आंके जाएवाला बिहार क बाट पकड़ी रहल अछि। खासतौर पर खाद्य प्रसंस्करण उद्योग कए बिहार मे बेहतर संभावनाएं देखल जा रहल अछि। हाल मे बिहार क मंत्री आ आला अधिकारी राज्यक निवेशक कए आकर्षित करबा लेल वाराणसी मे कार्यशाला केने छलाह। डॉ अनिल क मुताबिक कार्यशाला क वजह स बिहार मे एखन धरि 110 करोड़ टका क निवेश भ चुकल अछि। एसोचैम (यूपी) क अध्यक्ष इरशाद मिर्जा आ महासचिव एसबी अग्रवाल कहैत छथि जे उद्योग कए पनपबा क सबटा कारक उप्र स नदारद अछि, चाहे ओ बिजली क आपूर्ति हुए, अवस्थापना सुविधा हुए, निवेशक क प्रति शासन-प्रशासन क उदार रवैया हुए। आईआईए क वैट कमेटी क अध्यक्ष रजत मेहरा क मुताबिक अन्य राज्य क तुलना मे उप्र मे वैट क दर बेसी अछि जे उद्यमी कए बिहार दिस रुख करबा लेल मजबूर करि रहल अछि।
बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।