रौशन
दरभंगा । रंगमञ्चसँ मैथिली सिनेमाक विकास होएत। फिल्म बनत तँ भाषा, संस्कृतिक संग विविध क्षेत्र मे मिथिलाक विकास होएत। ई बात शनिकेँ अपर पुलिस महानिरीक्षक राकेश कुमार मिश्र कहलनि। ओ मैथिली फिल्म अकादमी दिससँ रमेश्वरलता संस्कृत महाविद्यालय मे फिल्म फेस्टिवलक लेल आयोजित बैसार मे अध्यक्षीय भाषण क रहल छलाह। ओ कहलनि जे एहि ठामक रहनिहार एखनो मैथिली सिनेमा देखबा लेल हॉल मे नञि जाइ छथि। आवश्यकता अछि जे कम सँ कम फिल्म-प्रेमी लोकनि केँ सिनेमाक प्रदर्शन देखबा लेल प्रेरित कएल जाए। ओ कहलनि जे फिल्म फेस्टिवल केँ व्यापक स्वरूप देबाक अपेक्षा छोटो स्तर पर कएल जाए। एहि अवसरपर अकाशवाणी दरभंगाक कार्यक्रम अधिशासी डा. प्रभात नारायण झा कहलनि जे योजनाबद्ध ढंगसँ मुख्य समितिक अतिरिक्त उप-समितिक गठन क तैयारी केँ आगाँ बढ़ाओल जाए। ओतहि पूर्व उपमहापौर प्रबोध कुमार सिन्हा मैथिलीक संग आनो भाषाक फिल्म कए प्रदर्शन फेस्टिवल मे करबाक आग्रह केलनि। ओ प्रदर्शित सिनेमा केँ टैक्स फ्री करेबाक लेल प्रयास करबाक सुझाओ देलनि। बैसारमे प्रो. टुनटुन झा अचल, गीतकार डा. चन्द्रमणि सेहो अपन विचार रखलनि। आरम्भ मे संस्थाक संयोजक शशिमोहन भारद्वाज आयोजन केँ ल तैयारी क सन्दर्भ मे जानकारी देलनि। अमलेन्दु शेखर पाठक कए सञ्चालन मे सम्पन्न बैसार मे विनोद कुमार, अमरेश्वरी चरण सिन्हा, हीरेन्द्र लाभ, डा. अशोक कु मार महेता, डॉ. ममता ठाकुर, नवेन्दु शेखर पाठक, नवीन कुमार चौधरी, विपिन कुमार मिश्र, रोशन कुमार मैथिल सहित शहरक कतेको गणमान्य लोकनि उपस्थित छलाह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर