• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रंग लेलक मुहिम, निजी कंपनी भेल राजी, सरकार सेहो सक्रिय

May 9, 2015
in समाचार
A A

दरभंगा । मिथिला स हवाई सेवा शुरु करबाक मुहिम आखिरकार रंग पकडी लेलक। बेंगलुरु क निजी विमानन कंपनी स्प्रीट एयरवेज दरभंगा स सेवा शुरु करबा लेल तैयार भ गेल अछि। सोशल मीडिया पर पिछला छह माह स मुहिम चलेनिहार दरभंगा रॉक्स क एडमिन अनुभव सिन्हा आ कंपनी क बीच भेल बैसार मे इ तय भेल जे दरभंगा आ दिल्ली क बीच अनियमित विमान सेवा शीघ्र शुरु होएत। एहि लेल कंपनी डीटीडीएस कए बुकिंग आ परिचालनक जिम्मेदारी सौंपलक अछि। डीटीडीएस क कहब अछि जे नेपाल में आयल भूकंप क कारण तिथि आ किराया निर्धारण मे देर भ रहल अछि। बहुत जल्द तिथि आ किराया क घोषणा कैल जाएत।

उल्लेखनीय अछि जे दरभंगा स विमान सेवा शुरु करबा लेल चारुकात स लोग आवाज उठा देने अछि। दिल्ली मे एहि मुहिम कए पत्रकार सुशांत झा चला रखने छथि। श्री झा पहिने त लोक कए दरभंगा स विमान सेवा शुरु करबा लेल लामबंद केलथि, तदुपरांत ओ दिल्ली आ दरभंगा क बीच केतबा किराया हेबाक चाही ताकि पर सेहो एकटा विस्तार स सर्वे केलथि। दिल्ली क मुकेश झा आ पटना क विजय झा सेहो एहि मुहिम कए अपना अपना स्तर स आगू बढेलथि अछि।

जखन एतबा आ एहन स्तर पर जन कोनो मुहिम चलाउत त जनप्रतिनिधि कोना शांत बैस सकैत छथि। दरभंगा क सांसद कीर्ति आजाद पहिने तक नागरिक उड्डयन मंत्री कए पत्र लिखलथि आ बाद मे संसद मे सवाल आ मांग सेहो केलथि। झंझारपुरक सांसद वीरेंद्र चौधरी त बेजाप्ता सरकार स एहि संबंध में विस्तार स सवाल केलथि। केंद्र क मसला हेबाक बावजूद विधानसभा मे सेहो एकरा लेल मांग भेल। दरभंगाक नगर विधायक संजय सरावगी सरकार स दरभंगा स हवाई सेवा शुरु करबा लेल केंद्र स अनुरोध करबाक संकल्प रखलथि। विधान परिषद मे कांग्रेस क मदन मोहन झा सेहो दरभंगा स हवाई सेवा शुरु करबा लेल ध्यानाकर्षण देलथि।

अंतत: दरभंगा स नागरिक उड्डयन सेवा के लिए नागरिक उड्डयन मंत्रालय सक्रिय भेल आ बैसार केलक। नागरिक उड्डयन मंत्री मनोज गजपति राजू आ पर्यटन मंत्री महेश शर्मा दिल्ली मे नागरिक उड्डयन अधिकारी क संग एकटा संयुक्त बैसार केलथि। इ बैसार संसद भवन मे भेल। बैसार मे एहि गप पर सहमति बनल जे दरभंगा स विमान सेवा शुरु कैल जा सकैत अछि।  विजयवाडा क राजकुमार आ केंद्रीय उड्डयन मंत्री अशोक गजपति राजू दरभंगा स पूर्वहि परिचित छथि। ताहि लेल ओ अपनहु स संबंधित अधिकारी कए दरभंगा मे हवाई यातायात क व्यावहारिक पक्ष स अवगत करेबाक काज केलथि।  ओ कहला जे दरभंगा महाराजा क समय स दरभंगा मे हवाई यातायात क सुविधा छल आ वर्तमान मे दरभंगा हवाई अड्डा बिहार क सबस पैघ हवाई अड्डा अछि। पर्यटन मंत्री महेश शर्मा कहला जे व्यावसायिक आ सांस्कृतिक विकास लेल इ अत्यंत आवश्यक अछि जे दरभंगा मे हवाई यातायात क सुविधा कए जल्द स जल्द बहाल कैल जाये। नागरिक उड्डयन मंत्रालय एकरा लेल जल्द स जल्द सर्वेक्षण रिपोर्ट जमा करबा लेल  अधिकारी सब कए निर्देश देलक अछि। उम्मीद कैल जाय जे रिपोर्ट एलाक बाद सरकार दरभंगा स सेवा शुरु करबाक घोषणा करत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

लीची स शराब बनेबाक भेटल मंजूरी

Esamaad Epaper Website

मिथिला रंग महोत्सव : एकटा स्वप्न आ कि नाटक मे नाटक?

Esamaad Epaper Website

इंटर टॉपर क सूची मे दरभंगा-दरभंगा

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि