• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रघुवंश बाबू भ सकैत छथि राजदक कार्यकारी अध्यक्ष

December 23, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020


नई दिल्ली । राजदक अंतःपुर स भेट रहल संकेत अगर सच भेल त राजद उपाध्यक्ष आ वैशाली स सांसद रघुवंश प्रसाद सिंह पार्टी क नव कार्यकारी अध्यक्ष हेताह। जानकारक कहब अछि जे विधानसभा चुनाव मे ऐतिहासिक हार क बाद लालू प्रसाद आम राय स काज करबा लेल तैयार छथि। संगहि वो पार्टी मे अपन सत्ता बचेबा लेल अधिकारक विकेद्रीकरण करबाक सोचि रहल छथि। दरअसल लालू एक तीर स कईटा निशाना लगेबा मे लागल छथि। एहि क्रम मे पहिने ओ मुस्लिम नेता अब्दुल बारी सिद्धिकी कए विपक्ष क नेता बनेलाह आओर हुनकर जगह पर बुजुर्ग नेता रामचंद्र पूर्वे कए प्रदेश अध्यक्ष बनेलाह। पिछड़ा आ मुसलमान क राजनीति कए साधबाक बाद आब ओ पार्टीक एकटा महत्वपूर्ण पद उच्च जाति कए देबाक फैसला केलथि अछि।
चुनावक बाद लालू क पार्टी राष्ट्रीय जनता दल क कईटा नेता चाहैत छथि जे ओ राष्ट्रीय अध्यक्ष क पद स इस्तीफा दथि। पार्टी मे लालू क प्रति निष्ठावान नेता क सेहो सोचब अछि जे ओ एहन पेशकश करथि, बेशक पार्टी एकरा खारिज करि देत या हुनका फेर स अध्यक्ष चुनि लेल जाइत, मुदा लालू एकरा लेल तैयार नहि छथि, ओ एकरा नजरअंदाज करैत रहलाह, मुदा हुनकर मुश्किल कम भेलाह बदला मे बढल जा रहल अछि। कहबा लेल इ पार्टी मे आम राय अछि, मुदा कियो बजैत नहि छल। अखलाखक मुंह खुजलाक बाद लालू पार्टी क भीतरक एहि चुप्पी कए दबेबाक स्थिति मे नहि छथि आ बीचक रास्ता निकालबाक प्रयास तेज करि देलाह अछि। लालू चाहैत छथि जे ओ अध्यक्ष बनल रहैथि आ ककरो कार्यकारी अध्यक्ष बना एहि मामला कए शांत करि देल जाए। एहन मे रघुवंश बाबू कए इ पद देबा सहमति बनि चुकल अछि। दोसर दिस कांग्रेस सेहो रघुवंश बाबू कए मन टटोलि चुकल अछि आ ओकरा निराशा हाथ लागल। एहन मे बुराडी सम्मेलन मे कांग्रेस एकला चलो क नीति पर फेर स विचार करबाक संकेत देलक अछि। कांग्रेस बिहार मे नेता विहीन अछि आ ओकर बुझबा मे आबि चुकल अछि जे ओकर गठबंधन सेहो नीतीश स नहि भ सकैत अछि। एहन मे ओकरा लेल राजद एकलौता विकल्प अछि। लालू क बजाए रघुवंश बाबू कए राजद क प्रतिनिधि बनेला स कांग्रेस कए गठबंधन पर गप आगू बढेबा मे सुविधा होएत। एहन मे राजद गठबंधन करबाक सन किछु अधिकार अपन कार्यकारी अध्यक्ष या कोर ग्रुप कए द सकैत अछि। कुल मिलाकए कहल जा सकैत अछि जे अगिला किछु दिन मे राजद मे भारी बदलाव देखबा मे भेट सकैत अछि। ओना एकर पुष्टि करबा लेल कोनो नेता तैयार नहि भेलाह अछि।

Tags: BiharlalooRJD

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

कामयाब नहि, काबिल बनू: नीतिश

12 मास मे तैयार भ जाएत बख्तियारपुर-नवादा फोर लेन: नंदकिशोर

पूर्णियाक फैसला, देश लेल मिसाल

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि