पटना : अगस्त मास मे पेसू राजस्व वसूली क रिकार्ड बना लेलक अछि। पेसू नहि केवल एक अरब क टारगेट पूरा क लेलक अछि, बल्कि जिला क तीनू अंचल मिलाकए 134 करोड़ राजस्व क वसूली केलक अछि। एहि रिकार्ड कए हासिल करबा मे बिहार पावर डिस्ट्रीब्यूशन कंपनी लिमिटेड क पूर्व प्रबंध निदेशक पलका सहनी क महत्वपूर्ण योगदान रहल जे पेसू अभियंता सेहो स्वीकार क रहल छथि। टारगेट पूरा करबा लेल मुख्य सचिव एके सिन्हा आ बिहार स्टेट पावर होल्डिंग कंपनी लिमिटेड क सीएमडी सह ऊर्जा सचिव संदीप पौंड्रीक लगातार समीक्षा बैसार करैत छलाह।
पटना पश्चिमी अंचल:- 61 करोड़
पटना पूर्वी अंचल:- 39 करोड़
पटना सेंट्रल एरिया बोर्ड :- 33.77 करोड़
आपूर्ति प्रमंडल स भेल वसूली
नूतन राजधानी : 17.25 करोड़
फतुहा : 14.77 करोड़
दानापुर : 15.20 करोड़
पाटलिपुत्र : 11.50 करोड़
डाकबंगला : 12.09 करोड़
कंकड़बाग : 11.50 करोड़
बिहटा : 11.08 करोड़
पटना सिटी : 10.35 करोड़
बांकीपुर : 6.12 करोड़
गुलजारबाग : 4.80 करोड़
गर्दनीबाग : 4.95 करोड़
राजेन्द्र नगर : 4.20 करोड़
बाढ़ : 4.18 करोड़
मसौढ़ी : 2.15 करोड़
पटना ग्रामीण : 1.58 करोड़
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa