दरभंगा। बिहारक पहिल दंत प्रत्यारोपण सर्जरी दरभंगाक सरयुग डेंटल कालेज मे भेल। ख्यातिप्राप्त दंत सर्जन डा. संजय लाभ क नेतूत्व मे डा. केएनपी सिन्हा दांत क प्रत्यारोपण केलथि। प्रत्यारोपण क बाद मरीज कए शीघ्रहि छु़ट्टी द देल गेल। डॉक्टर क अनुसार प्रत्यारोपण क बाद कृत्रिम दांत नेचुरल दांत जेना काज करैत अछि। डा लाभक अनुसार जबडा स सबटा दांत गायब रहबा पर सेहो कृत्रिम दांत क प्रत्यारोपण भ सकैत अछि। प्रत्यारोपण क बाद मरीज कठोर स कठोर खाद्य पदार्थ क सेवन सेहो क सकैत छथि। ओ कहला जे इ दांत टाइटेनियम स बनल होइत अछि। डा. लाभ कहला जे जबडा क भीतर मे कृत्रिम दांत सर्जरी क सहारे लगाउल जाइत अछि। इ अत्याधुनिक विधि अछि। प्रत्यारोपित दांत कए हर छह मास पर डेंटल सर्जन स सफाई जरूर करेबाक चाही। कालेज क निदेशक श्री सिंह कहला जे इ सर्जरी बिहार मे पहिल बेर दरभंगा मे भेल अछि। दरभंगा डेंटल चिकित्साक क्षेत्र मे आन ठाम स अगुआ गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper