पटना। राजद-लोजपा गठबंधन क दिस स बिहार मे नेता प्रतिपक्ष राबड़ी देवी आब मुख्यमंत्री पद क दावेदार नहि हेतीह। राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद एकर साफ संकेत देलथि अछि। हालांकि एखन इ साफ नहि भेल अछि जे एहि स्थिति मे मुख्यमंत्री पद क लेल कोन नाम तय होएत, मुदा मानल जा रहल अछि जे राजद क बिहार प्रदेश अध्यक्ष अब्दुलबारी सिद्दीकी मुख्यमंत्री पद क दावेदार भ सकैत छथि। जानकारक इ सेहो कहब अछि जे चुनावक बाद अगर कांग्रेस संग सरकार बनेबा क परिस्थिति बनैत अछि त लालू आ पासवान मुख्यमंत्री पद कांग्रेस कए द अपना लेल केंद्र में मंत्री पद ल सकैत छथि। एहन मे राजद आ लोजपा स उपमुख्यमंत्री बनि सकैत अछि। मुदा एहि समीकरण कए तत्काल नुका कए रखबाक योजना अछि।
लालू क अनुसार राबड़ी देवी आब सत्ता सम्हारबा लेल तैयार नहि छथि। ओ कहैत छथि जे परिस्थतिवश ओ मुख्यमंत्री बनल छलीह। लालू कहला जे ओ राबड़ी कए बुझेबा क बहुत कोशिश केलथि एतबा धरि कहलथि जे लोग कए आदत भ चुकल अछि लालू-राबड़ी जिंदाबाद कहबाक। एहन मे आखिर हम अपना संग केकर नाम जाडि। मुदा राबड़ी सत्ता सम्हारबा लेल तैयार नहि भेलथि अछि।
दरअसल लालू प्रसाद क आदत अछि जे ओ गंभीर स गंभीर गप मजाक मे कहि दैत छथि। एहि बेर राजद लोजपा क संग विधानसभा चुनाव मे अपन पूरा ताकत झोंकबा लेल तैयार अछि। लोजपा स सीट क तालमेल लेल राजद दिस स प्रदेश अध्यक्ष अब्दुलबारी सिद्दीकी आ लोजपा क प्रदेश अध्यक्ष पशुपति कुमार पारस क बीच वार्ता जारी अछि। दूनू दल क नेता एकमत छथि जे महज सीट गिनेबा लेल चुनाव नहि लड़ल जाए। सूत्र क अनुसार लोजपा क दिस स राजद कए 150 आ अपना लेल 93 सीट तय कैल गेल अछिख् मुदा राजद तालमेल मे करीब 60 सीट लोजपा कए देबा लेल तैया अछि।