दरभंगा। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एक दिवसीय यात्रा पर 16 दिसंबर कए दरभंगा अउताह। ओ अपन एहि यात्रा क दौरान माधेश्वर परिसर स्थित महाराजा रामेश्वर सिंह क समाधि पर पुष्पांजलि अर्पित करताह आ परिसर क बगल मे बनल विवाह भवन क उदघाटन करताह। एकर संगहि मुख्यमंत्री शहर क गणमान्य लोक क अलावा जदयू कार्यकर्ता स रूबरू हेताह। ज्ञात हुए जे महाराजा रामेश्वर सिंह क बिहार राज्य क स्थापना मे महत्वपूर्ण भूमिका रहल अछि। बिहार आ उडिसा क संयुक्त विधानसभा लेल जखन पटना मे कोनो स्थान नहि छल आ विधानसभा भुवनेश्वर जा रहल छल तखन श्री सिंह पटनाक छज्जूबाग मे विधानसभा लेल जमीन आ मकान दान द देलथि। आहि परिसर मे आइ दूर दर्शन सहित कई टा संस्थान आ मकान अछि आ जाहि मे विधानसभा बैसल छल ओहि मकान में पटना उच्च न्यायालयक न्यायाधीश क निवास अछि। बिहार क निर्माण मे महाराजा रामेश्वर सिंह क योगदान एखन धरि किताब क पन्ना धरि सिमटल रहल ताहि लेल आम जनता हुनक एहि योगदान स परिचित नहि भ सकल। इ पहिल मौका अछि जखन बिहार क कोनो मुख्यमंत्री हुनकर समाधि पर पुष्पांजलि अर्पित करबा लेल दरभंगा आबि रहल छथि। बंगाल विधान परिषद क सदस्य आ अनेक शिक्षण संस्थान क निर्माता लेल बिहार क सौ साल पूरा भेला पर मुख्यमंत्री क एहि पहल कए एतिहासिक कहल जा सकैत अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क निर्धारित कार्यक्रम क अनुसार ओ पूर्व विधान पार्षद संजय झा क ऐच्छिक कोष स निर्मित श्यामा-जानकी विवाह भवन सह यात्री निवास क उद्घाटन सेहो करताह। एकर बाद मुख्यमंत्री शहर क गणमान्य लोक क अलावा जदयू कार्यकर्ता स रूबरू हेताह। मुख्यमंत्री श्री कुमार दोपहर एक बजे दरभंगा पहुंचताह आ लगभग दू घंटा ठहरताह। प्रमंडलीय आयुक्त वंदना किनी समेत सबटा वरीय पदाधिकारी नवनिर्मित विवाह भवन क निरीक्षण केलथि। एकर निर्माण पर पचास लाख क लागत आयल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर