पटना। बिहार मे खेल क माहौल बनि रहल अछि। रांची में आयोजित राष्टीय खेल में बिहार कए कुल 11 टा पदक भेटल, जाहि मे एकटा सोना सेहो अछि। अपन एहि छोट सन सफलता स बिहार काफी उत्साहित अछि। जनता क इच्छा आ खेल संघक प्रस्ताव पर गौर करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अधिकारी कए राष्टीय खेल बिहार मे करेबा लेल पहल शुरू करबाक निर्देश देलाि अछि। एहि संबंध मे नीतीश कुमार कहला जे अगिला दूटा राष्ट्रीय खेल क स्थान तय अछि। ओकर बाद क राष्ट्रीय खेल बिहार मे करेबा लेल दावेदारी राज्य क दिस स पेश कैल जाएत।
मुख्यमंत्री कहला जे राष्ट्रीय खेल मे बिहार कए 11टा मेडल भेटल अछि, जखनकि पिछला बेर मेडल हासिल नहि भ सकल छल। मुख्यमंत्री कहला जे राज्य मे खेलक प्रति माहौल तैयार भ रहल अछि।
एकरा आओर मजबूत कैल जाएत। मुख्यमंत्री कहला जे ओ राज्य क विभिन्न खेल संघ कए सुचारू संचालन क लेल कानून बनेबा पर विचार करि रहल छथि। मुख्यमंत्री कहला जे राज्य सरकार बिहार मे खेल कए बढ़ावा देबा लेल आओर बेहतर माहौल देबा लेल प्रयासरत अछि। एकरा लेल कानून बनेबा स सेहो पाछु नहि हटब।
राज्य क क्रिकेट संघ क आपसी लडाई आ संघ कए मान्यता नहि भेटबा पर नीतीश कुमार कहला जे इ राज्यक दुर्भाग्य अछि जे संघ कए एखन धरि मान्यता नहि भेटल अछि। ओ कहला जे खेलक प्रति अगंभीर आ क्रिकेट स ताल्लुक नहि रखनिहार लोक क्रिकेट एसोसिएशन चला रहल अछि, एहन मे राज्य कए घाटा भ रहल अछि।
खेलक आधारभूत संरख्ना पर नीतीश कहला जे कंकडबाग खेल प्रांगण जल्द तैयार करबा लेल अधिकारी कए निर्देश देल गेल अछि। ओना प्रखंड स्तर पर सेहो खेल मैदान बनेबा लेल प्रयास भ रहल अछि।