मिथिला कए भेटल सनेस
दीघा रेल सह सड़क पुल देश कए समर्पित
मुंगेर रेल-सड़क पुल पर मालगाड़ीक परिचालन क शुभारंभ
राजेन्द्र पुल मोकामा लग नब रेल पुल क शिलान्यास
हाजीपुर । प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी कहला कि बहुत जल्दे रेलवे क माध्यम स बिहार क कायाकल्प भए जाएत । केंद्र आओर राज्य कंधा स कंधा मिलाकए बिहारक विकास करत । ओ कहलथि कि भारत क भाग्य बदलनाए अछि त बिहारक भाग्य पहिने बदले होएत । ओना विकासक लेल सोच जरूरी अछि आओर ऐकरा सभ गोटे मिलेकए कए सकैत छी । मोदी कहलथि कि जों भारत कए आगामी 25 साल तक निरंतर विकास करबाक अछि त पूर्वी भारत कए विकसित करय पड़त । भारत क नर्वसेंटर आब यैह इलाका अछि। एतय विकासक दीर्घकालीन रणनीति बनेबाक आवश्यकता अछि । रेल वा सडक जेहन आधारभूत संरचना विकासक नींव रखैत अछि, ओकरा गति प्रदान करैत अछि । मोदी कहलथि कि बिहार हमर प्राथमिकता अछि, किएक भारत क विकास लेल बिहार क विकास भेनाय अनिवार्य अछि । प्रधानमंत्री शनिदिन हाजीपुर मे रेल परियोजना क लोकार्पण सह शिलान्यास कार्यक्रम मे बाजि रहल छलाह । एहि दौरान प्रधानमंत्री मोदी बिहार क जनता कए तीनटा सेतू आओर पटना स लखनऊ कए नब ट्रेनक सौगात देलथि । प्रधानमंत्री सोनपुर-पाटलिपुत्र ट्रेन कए सेहो हरियर झंडी देखोलथि ।
विधानसभा चुनाव क बाद पहिल बेर बिहार आएल मोदी कहलथि कि अटल जीक समय मे नीतीश जी जे सपना देखने छलाह, ओ आब पूरा भेल अछि । पिछलका सरकारक उपेक्षा क कारणे रेल आओर पुल क निर्माण मे देर भेल । एहि कारणे जे पुलक काज 5 साल पहिने भए जेबाक चाही, ओ आब जाकए पूरा भेल अछि । मोदी कहलथि 18 माह मे हुनकर सरकार बचलका 34 फसदी काम आओर परियोजना पूरा केलक । ओ कहलथि कि आय जे परियोजना क शिलान्यास करि रहल छी, ओकरा समय स पूरा कैल जाएत ।
मोदी कहलथि कि अहाँक उत्साह स एहि पुलक महत्व पता चलैत अछि । ओ कहलथि कि एहि पुल स नहि केवल गंगा क दुनू छोड़ जुडत, बल्कि एतौका आर्थिक सूरत सेहो बदलत । मोदी कहलथि कि जे योजना कागज पर छल, ओकरा हम धरती पर आनि रहल छी । मोदी बिहारक युवा स कहलथि कि अहाँक लेल सुनहरा अवसर आबि रहल अछि । बिहार मे 40 हजार करोड़ रुपया क विदेशी निवेश रेलवे क माध्यम स भए रहल अछि । एहि स युवा कए रोजगार भेटत । पांच करोड़ घर तक गैस सिलेंडर पहुंचेबाक वादे कए मोन पाड़ैत मोदी कहलथि कि ई काज एक हजार दिन मे पूरा कए लेबाक अछि । ओ गाम-गाम मे बिजली पहुंचेबाक समय सीमा क सेहो जिक्र केलथि । एहि स पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि कि आय जे दू टा महासेतु क लोकार्पण भए रहल अछि ओकर आधारशिला ओहि वक्त राखल गेल छल जखन ओ रेलमंत्री छलथि । नीतीश कहलथि कि परियोजना कए पूरा करबाक लेल ओ प्रधानमंत्री कए धन्यवाद देलथि । नीतीश कहलथि कि हुनका लेल आजुक दिन व्यक्तिगत संतोष कए अछि । नीतीश कहलथि कि केंद्र आओर राज्य मिलकए विकास क गाडी कए आगाँ बढ़ाओत । नीतीश कुमार कहलथि कि प्रधानमंत्री बिहार आएल छलाह त बिहार कए एकर लाभ जरुर भेटत । ओ कहलथि कि हुनका उम्मीद अछि कि केंद्र गांधी सेतु पर सेहो ध्यान देताह । नीतीश दोहरेलथि कि देशक तरक्की तखने संभव अछि जखन बिहारक तरक्की होएत, बिहारक विकास बिना देशक विकास संभव नहि अछि । समारोह काल नीतीश जखन जनता कए संबोधित कए रहल छलाह त भीड़ अचानक मोदी-मोदी क नारा लगाबे लागल। ऐहन मे मोदी कए अपने उठिकए भीड़ कए शांत करय पड़ल ।
एहि मौका पर सभटा अतिथी क स्वागत करैत रेलमंत्री सुरेश प्रभु कहलथि कि रेलवे क लेल बिहार एकटा महत्वपूर्ण राज्य अछि । ओ कहलथि कि 3 फरवरी 2002 मे वाजपेयी जी एहिकए आधारशिला रखने छलाह । आय पुल क लोकार्पण रय पड़ल भए रहल अछि । एहि क लेल ओ प्रधानमंत्री कए धन्यवाद देलथि । एहि मौके पर रेल राज्यमंत्री संग बिहार स बनल सभटा केंद्रीय मंत्री उपस्थित छलाह । बिहार क उपमुख्यमंत्री आओर दुनू सदन क नेता प्रतिपक्ष सेहो सभा मे मौजूद छलाह ।