भागलपुर। रेल राज्य मंत्री अधीर रंजन चौधरी शनिदिन मंदारहिल स्टेशन पर मंदारहिल-हंसडीहा नव बड़ी रेलवे लाइन क उदघाटन करताह। एकर संगहि एहि खंड पर ट्रेन सेवा क शुभारंभ सेहो भ जाएत। एहि अवसर पर सांसद शाहनवाज हुसैन, पुतुल कुमारी, निशिकांत दूबे, एनके सिंह आ विधायक सोनेलाल हेम्ब्रम, प्रदीप यादव विशिष्ठ अतिथि क रूप मे उपस्थित रहताह।
नव निर्मित 23.95 किमी लंबा मंदिरहिल-हंसडीहा बड़ी रेलवे लाइन, 130.20 किमी लंबा मंदारहिल-दुमका-रामुपरहाट नव बड़ी रेलवे लाइन परियोजना क एकटा अंश अछि। एहि नव निर्मित खंड क सबस महत्वपूर्ण पहलू इ अछि जे मंदारहिल यार्ड आ हंसडीहा क बीच एकोटा समपार नहि अछि। सबटा सड़क क्रासिंग या त सड़क ऊपरी पुल या सड़क निचली पुल क जरिये प्रदान कैल गेल अछि। एकर अलावा एहि खंड मे यात्री कए बेहतरीन सुविधा आ सुरक्षा सुनिश्चित करबा लेल मंदारहिल आ हंसडीहा स्टेशन पर शेड क संगहि हाई लेवल प्लेटफॉर्म आ जल आपूर्ति लेल पर्याप्त इंतजाम कैल गेल अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर