• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रैयाम क बाद आब लोहट मिल लूटबाक कोशिश

May 14, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । मिथिला मे औद्योगिक क्रांति क जनक लोहट चीनी मिल कए लूटबाक प्रयास भ रहल अछि। बिहार सरकार बंद पडल चीनी मिल कए खोलबाक सपना देखा दरअसल पुरान मिल क सामान कए लूटबाक नीति लागू क देलक अछि। एहि नीति कए लागू करबा मे किछु स्‍थानीय विधायक काफी सक्रिय छथि। रैयाम आ सकरी चीनी मिल पहिने लूटल जा चुकल अछि, आब पंडौल प्रखंड क बंद पडल लोहट चीनी मिल कए सेहो लूटबाक प्रयास तेज भ गेल अछि। सरकार पहिने कहलक जे एहि मिल कए डालमिया ग्रुप ल रहल अछि। बाद मे इ साफ भ गेल जे डालमिया एहि मिल लेल इच्‍छुक नहि अछि। लोक कए लागल जे सरकार मिल खोलबा लेल चिंतित अछि आ कियो मिल लेबा लेल तैयार नहि अछि, जखन कि इ पूरा नाटक छल। सरकार इ मिल कए बेचबाक कोनो प्रयास नहि केलक। इंसोल इनर्जी प्राइवेट लि. फरीदाबाद कए इ मिल औनेपौने दाम मे बेचबा लेल डालमिया क नाम सामने आनल गेल छल। मधुबनी जिला क एकटा विधायकक करीबी एहि कंपनी क मालिक उदय मोहन झा मिल खोलबा स बेसी मिल क पुरान मशीन आ सामान बेचबा लेल भूमि तैयार क रहल छथि। हुनका प्रदीप चौधरी स अनुभव सेहो भेटल अछि जे कोना मिल खोलबाक सपना देखा मिल क सामान बेचल जा सकैत अछि। श्री चौधरी रैयाम चीनी मिलक ईंट ईंट बेच लेलथि। जानकारक कहब अछि जे इंसोल इनर्जी प्राइवेट लि. जेतबा मे इ मिल लेलक अछि ओहि स डेढ गुना बेसी टका त ओ मिलक मशीन बेच कए कमा लेत, जमीन बुझू जे मंगनी मे कब्‍जा केने रहत। लोहट मिल कए जेना चुपचाप बेचबाक काज भेल ओ अपने आप मे संदेह उत्‍पन्‍न करैत अछि। इसमाद 28 मार्च 2012 कए इ समाद देने छल जे डालमिया कए लोहट चलेबा लेल 30 सालक लीज पर देल जा रहल अछि। मुदा इसमाद नवंबर मे इ सूचना सेहो देलक जे डालमिया ग्रुप इ साफ क देलक अछि जे ओ लोहट चलेबा लेल इच्‍छुक नहि अछि। एहि बीच बिहार सरकार एहि मिल कए इंसोल इनर्जी प्राइवेट लि. कए बेच देलक। सवाल उठैत अछि जे एतबा जल्‍दी इ फैसला कोना भ गेल। सरकार जनता क आंखि मे भ्रम पैदा करबा लेल डालमियाक नाम सामने अनने छल।
लोहट मिल मे सेहो शुरुआत रैयाम जेकां भेल। बिना कोनो तामझाम क प्रबंधन दिलीप कुमार झा 13 नवंबर कए मिल मे पूजा केलथि। फेर दिसंबर मे मिल परिसर क सफाई शुरू भ गेल। दिलीप झा सेहो प्रदीप चौधरी जेकां दावा केलथि जे जनवरी, 2013 मे तकनीशियन क एकटा टीम द्वारा मिल कए आधुनिकीकरण करबाक प्रक्रिया प्रारंभ कैल जाएत। मुदा जनवरी की मई आबि गेल, भेल किछु नहि। प्रबंधन बस मौका क फिराक मे रहल जे नव मशीन लगेबाक नाम पर पुरान मशीन कए परिसर स बाहर कोना ल जाई। ओना देखेबा लेल प्रबंधन मिल मे एकटा गार्ड क नियुक्ति केने अछि आ साफ सफाई किछु किछु होइत रहैत अछि जाहि स लोक कए इ बुझबा मे अबैत रहै जे मिल खुलबाक प्रक्रिया चालू अछि। मुदा मिल प्रबंधनक सबटा दावा झूठ क किताब तखन बनि जाइत अछि जखन एकर तकनीकी पहलू पर गप करबा लेल ककरो से संपर्क करू। लोहट चीनी मिल कए कुसियारक कोनो क्षेत्र एखन धरि आवंटित नहि भेल अछि। मिल लग जेतबा जमीन अछि ओहि स मिल मात्र एक मास चलि सकैत अछि। क्षेत्र आवंटनक मामला इ अछि जे लोहट लग जे पहिने क्षेत्र छल ओ क्षेत्र आइ रैयाम आ सकरी कए आवंटित क देल गेल अछि, एखन मे लोहट लेल कोनो आसपासक क्षेत्र नहि बचैत अछि। सवाल उठैत अछि जे बिना क्षेत्र आवंटन कए मिल कोना स्‍थापित या चालू भ सकैत अछि। दोसर जे प्रदीप चौधरी जेकां उदय मोहन झा कए सेहो एहि कारोबारक कोनो अनुभव नहि अछि। कुल मिला कए देखल जाए त इ मिल चलेबा लेल नहि बल्कि लूटबा लेल कीनल गेल अछि आ एहि लूट मे मधुबनी क एकटा विधायक क अहम भूमिका अछि। ओना रैयाम चीनी मिल मे सेहो मधुबनी जिलाक विधायक अशोक यादव क भूमिका उजागर भ चुकल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

पीएडा मे देखा रहल अछि चहल-पहल

Esamaad Epaper Website

भागलपुर-हंसडीहा सडक भेल एनएच-114ए

Esamaad Epaper Website

वायुसेवा लेल मुंगेर आ बेगूसराय एयरपोर्ट क मरम्‍मत शुरू

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि