• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

लक्ष्य स बेसी रहल बिहार मे राजस्व वसूली

August 18, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना : देश-दुनिया क बाजार मे मंदी क असर क बावजूद बिहार मे राजस्व वसूली क स्थिति ठीकठाक अछि। बल्कि सुधरि रहल अछि। राजस्व वसूली क हिसाब स राज्यक चारिटा विभाग लक्ष्य स आगू जा चुकल अछि। मुख्य सचिव एके सिन्हा एहि संबंध मे जानकारी दैत कहला जे वाणिज्य-कर लग एहि साल जुलाई मास तक 3033 करोड़ वसूली क लक्ष्य छल। जेकर विरुद्ध विभाग जुलाई तक 3140 करोड़ टका क वसूली क चुकल अछि। एहि साल वसूली क लक्ष्य कए 13643 करोड़ स बढ़ा कए 16275 करोड़ कैल जा रहल अछि। एहिना खान विभाग त जुलाई तक वसूली लक्ष्य क विरुद्ध 224 फीसद तक वसूली लेलक अछि। खान विभाग क एहि वर्ष 641 करोड़ राजस्व संग्रहण क लक्ष्य छल। जुलाई तक 80 करोड़ क लक्ष्य क विरुद्ध 179.83 करोड़ क संग्रहण कैल गेल अछि। निबंधन विभाग जुलाई तक 825 करोड़ क लक्ष्य क विरुद्ध 935 करोड़ क वसूली केलक अछि, जे लक्ष्य क 113 फीसदी अछि। एहन मे राजस्व वसूली क बेहतर स्थिति कए देखैत तीनटा विभाग कए 3 हजार करोड़ आओर वसूलबा क नव लक्ष्य सौंपल गेल अछि। मुख्य सचिव कहला जे वाणिज्य कर विभाग कए 2672 करोड़ आ निबंधन कए 272 करोड़ आ परिवहन विभाग कए 100 करोड़ आओर वसूलबाक टास्क सौंपल गेल अछि।
मुख्य सचिव राजस्व देनिहार चारिटा पैघ विभाग वाणिज्य-कर, निबंधन, उत्पाद एवं खान विभाग क अधिकारी संग कर वसूली पर मंथन केलथि। बैसार क बाद ओ कहला जे दू-तीन मास क भीतर सरकार सबटा चेक-पोस्ट पर धर्मकांटा लगा देत। एहि स ओवरलोडिंग रुकत। वाणिज्य-कर विभाग कए विशेष फायदा होएत। एकर असर राज्य सरकार क खजाना पर सेहो नीक पडत। ताहि लेल एहि साल निबंधन विभाग क वसूली क लक्ष्य 2628 करोड़ अछि। बेहतर संग्रहण आ संभावना कए देखैत एकर लक्ष्य बढ़ाकए 2900 करोड़ क देल गेल अछि। उत्पाद विभाग सेहो जुलाई मास तक 1029 करोड़ क लक्ष्य क विरुद्ध 864 करोड़ क वसूली क लेलक अछि। इ लक्ष्य क 84 फीसद अछि मुदा पिछला साल एहि अवधि मे वसूली क तुलना मे 40 फीसदी बेसी अछि। पिछला साल क तुलना मे एहि वित्तीय वर्ष मे लक्ष्य कए डेढ़ गुणा क देल गेल छल। परिवहन विभाग द्वारा एहि साल राजस्व वसूली क लक्ष्य 800 करोड़ अछि। जुलाई तक 244.60 करोड़ क लक्ष्य क विरुद्ध 271.56 करोड़ क वसूली केलक अछि जे लक्ष्य क 111 फीसद अछि। पिछला वर्ष क तुलना मे सेहो वसूली बेहतर अछि। परिवहन विभाग क वसूली क लक्ष्य बढ़ा कए 900 करोड़ क देल गेल अछि। इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangaHawai sevalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

काल बनि आयल राज्यरानी

बीच बाट मे अस्त भेल अंशु कए श्रद्धांजलि

इ ऋण आखिर कहिया तक

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि