• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

लखीसराय आ बेगूसराय मे बनत नव औद्योगिक पार्क

May 20, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। बिहार सरकार आब अपन ध्‍यान धीरे-धीरे पटना आ आसपास क जिला स आगू लगा रहल अछि। सरकारी अधिकारीक कहब अछि जे सरकार लखीसराय आओर बेगूसराय मे नव औद्योगिक पार्क क निर्माण शुरू करि रहल अछि। एकरा लेल जमीन अधिग्रहण क काज अगिला मास स शुरू भ सकैत अछि। दूनू जिलाक जिलाधिकारी कए एहि संबंध मे आदेश द देल गेल अछि। दूनू जिलाधिकारी एकरा लेल जमीन अधिग्रहण क खाका तैयार करबा मे जुटि गेल छथि। अधिकारीक अनुसार बिहार मे आब छोट छोट काफी निवेश भ रहल अछि आ पैघ उद्योग कए बिहार मे निवेश क लेल प्रयास भ रहल अछि। एकरा लेल सबस पहिने जमीन चाही। ओ कहला जे पैघ उद्योग कए बेसी जमीन क जरूरत होइत अछि, मुदा बिहार मे जनसंख्या घनत्व काफी अछि। एहि लेल जरूरत क मुताबिक जमीन हासिल करबा मे काफी दिक्कत होइत अछि। हालांकि भूमि बैंक स बहुत किछु आसान भ जाएत। सरकार जमीन लेल भूमि बैंक बना रहल अछि जाहि लेल 1500 करोड टका सेहो आवंटित कैल जा चुकल अछि। सरकारक लक्ष्‍य एक साल मे कम स कम 1000 एकड भूमि एहि बैंक मे जमा करबाक अछि। अधिकारी कहला जे, सरकार अगिला 5 साल क दौरान 5,000 एकड़ भूमि जुटेबाक लक्ष्‍य रखलक अछि। सब साल करीब 1,000 एकड़ भूमि बैंक मे जोडबाक लक्ष्‍य अछि। सरकार हर जिलाधिकारी कए एहि सालक अंत धरि 100-100 एकड़ भूमि क इंतजाम करबाक आदेश जारी करि देलक अछि।
एकर संगहि अधिकारी इ सेहो कहब अछि जे पैघ उद्योग क बिना राज्य क तेज विकास मुमकिन नहि अछि। एहि लेल राज्य क नई उद्योग नीति मे हुनका लुभेबा लेल कईटा रियायतक प्रावधान कैल जा रहल अछि। नवका उद्योग नीति मे तरह तरह क रियायत क घोषणा करए जा रहल अछि। सूत्रक मानि त जून मे एकर एलान भ सकैत अछि आओर अगिला साल स इ प्रभावी सेहो भ सकैत अछि। नव औद्योगिक नीति निर्माण स जुड़ल जानकारी दैत अधिकारी कहला जे राज्य मे पैघ निवेश कए बढ़ावा देबा लेल सरकार पूंजी सब्सिडी बढेबा लेल तैयार अछि। एखन धरि कंपनी कए 5-10 फीसदी पूंजी सब्सिडी देल जा रहल अछि मुदा नव नीति मे सरकार 500 करोड़ स बेसी क निवेश पर नीक छूट देबा लेल तैयार अछि। एकर अलावा राज्य सरकार अपन नव नीति मे बिहार मे निवेशक लेल लालफीताशाही क मुश्किल सेहो कम करैजा रहल अछि। अधिकारी कहला जे 2006 मे एकल खिड़की कानून आयल छल। हालांकि एखन धरि इ प्रणाली कारगर नहि भ सकल अछि। सरकारक कोशिश अछि जे निवेशक कए सरकारी दफ्तरक चक्कर स बचाउल जाए। एकरा लेल एकल खिड़की व्यवस्था कए मजबूत कैल जा रहल अछि। संगहि आवेदन क निपटारा लेल सेहो एकटा तय समयसीमा तय कैल जा रहल अछि, जाहि स निवेशक क समय बरबाद हेबा स बचत आ निवेश क प्रक्रिया सेहो तेज भ सकत।

Tags: begusraiBiharpatnaऔद्योगिक पार्कबेगूसरायलखीसराय

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

आखिर बिहारक किसान संग इ अन्‍याय किया

Esamaad Epaper Website

दूध संग्रह मे गुजरात स आगू बढत बिहार क सुधा डेयरी

Esamaad Epaper Website

सुपौल आ दरभंगा मे सेहो खुलत नदी थाना

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि