• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

लनामिवि भवन क रखरखाव लेल पांच करोड़ स्वीकृत

March 7, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा। आखिरकार बिहार सरकार क ध्‍यान कामेश्‍वर नगरक दुर्दशा पर गेल। सरकार एहि परिसर मे स्थित महल आ भवन क रखरखाव लेल पांच करोड टका देबाक घोषणा केलक अछि। विधान परिषद सदस्य प्रो.विनोद कुमार चौधरी लनामिवि क धरोहररूपी महल आ भवन क दशा सुधारबाक मांग सदन मे करैत रहलाह अछि। बुधदिन सेहो विधान परिषद मे 2012-13 क शिक्षा बजट पर बहसक दौरान ओ एहि मामला कए उठेलाह। प्रो.चौधरी लनामिवि क भवन क रखरखाव पर सरकार कए ध्‍यान देबाक मांग केलथि। एहि पर शिक्षा मंत्री पीके शाही सदन कए जानकारी देलथि जे लनामिवि क भवन क रखरखाव लेल सरकार तत्‍काल पांच करोड़ टका द रहल अछि। ज्ञात हुए जे इसमाद पिछला कई मास स ललित नारायण मिथिला विश्‍वविद्यालय स्थित महल आ भवनक स्थिति पर समाद दैत रहल अछि। इसमाद बेर बेर कहलक अछि जे विश्‍वविद्यालय मे नरगौना महल सहित कईटा एहन मकान अछि जेकर रख रखाव नहि भ पाबि रहल अछि। नरगौना पैलेस क रंग रोगन तक कई साल स नहि भ सकल अछि। कहियो महल रहल नरगौना आइ एकटा जर्जर मकान बनि चुकल अछि। किछु एहने स्थिति यूरोपियन गेस्‍ट हाउस आ हेड आफिस क सेहो अछि। विश्‍वविद्यालय प्रशासन लेल एहि धरोहरक रक्षा लेल कोनो योजना नहि अछि। एहन मे आशंका प्रबल अछि जे सरकार जे टका विश्‍वविद्यालय कए द रहल अछि ओहि स भवन क रख रखाव भ सकत। इतिहास गवाह अछि जे विश्‍वविद्यालय प्रशासन भवनक रख रखाव पर सबस बेसी खर्च कुलपति निवास लेल करैत अछि। एहन मे एहि टकाक पैघ हिस्‍सा सेहो कुलपति आवास मे खर्च भ सकैत अछि। विश्‍वविद्यालयक मद स्‍थानांतरणक इतिहास सेहो कम गौरवशाली नहि अछि ताहि लेल एकरो उम्‍मीद अछि जे रख रखावक नाम पर किछु नव निर्माण कैल जा सकैत अछि जे एहि भवन आ महलक सौंदर्य कए बढेबाक बदला मे खत्‍म क सकैत अछि। कुल मिला कए जनप्रतिनिधि आ दरभंगाक जनता कए विश्‍वविद्यालय प्रशासन पर नजरि रखबाक जरुरत अछि जे ओ पांच करोड टकाक उपयोग ओहि मद मे करै जाहि मद लेल इ राशि देल जा रहल अछि। उम्‍मीद अछि विश्‍वविद्यालय परिसर कए बचेबाक लेल जनता निगरानी करत।

Tags: Bihardarbhangakameshwarlnmu

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

26 साल बाद फेर सजत दरबार हॉल

Esamaad Epaper Website

नरगौना पैलेस क आगू भ रहल निर्माण रुकल

Esamaad Epaper Website

बिहार केलक कर्ज सीमा बढेबाक मांग

Comments 1

  1. Dr. Shashidhar Kumar says:
    13 years ago

    नीक बात ।

    आब देखा चाही कि ई राशि अपेक्षित लक्ष्य लेल कतबा आ कहिया धरि खर्च कयल जाइत अछि ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि