– 5000 करोड़ क योजना कए पीपीपी प्रोजेक्ट मे देलथि
पटना। रेल मंत्री ममता बनर्जी एक कात महिला आरक्षण क मुद्दा पर लालू प्रसाद क संग संसद मे देखबा मे आबैत छथि, त दोसर दिस लालू क विरोधक नाम पर बिहार मे जारी रेल परियोजना कए रोकबा लेल ओ कोनो मौका नहि छोड़ैत छथि। एहन मे इ बुझबा मे नहि अबैत अछि जे ओ लालू विरोधी छथि या बिहार विरोधी। पूर्व रेल मंत्री लालू द्वारा घोषित पांच हजार करोड़ क योजना पर आब रेल मंत्रालय खर्च करबा लेल तैयार नहि अछि। एहि योजना कए पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप प्रोजेक्टों (पीपीपी) क सूची मे डालि देल गेल अछि। रेल अधिकारी क कहब अछि जे एहि स योजना अधर मे लटकि जाएत। बिहार क मामला मे पहिने सेहो पीपीपी प्रोजेक्ट फेल भ चुकल अछि। मधेपुरा इलेक्ट्रिक इंजन फैक्ट्री कए पहिने पीपी प्रोजेक्ट घोषित कैल गेल छल, मुदा चुनाव स ठीक पहिने लालू कोनो प्रस्ताव नहि भेटला पर एकरा फेर स रेल प्रोजेक्ट मे शामिल करबा लेल कैबिनेट से मंजूरी लेबा मे सफल भ गेल छलाह।
पूर्व मध्य रेलवे क उच्च पदस्थ सूत्र क कहब अछि जे बिहार क दूटा महत्वपूर्ण रेल लाइन परियोजना मुजफ्फरपुर-दरभंगा (66.9 किलोमीटर) आ बिहटा-औरंगाबाद (118.45 किलोमीटर) कए रेल मंत्रालय पीपीपी प्रोजेक्ट सूची मे डालि देलक अछि। बिहार क कुल 13 परियोजना कए रेल मंत्रालय पीपीपी क लेल चयनित केने अछि। पीपीपी सूची मे डालल गेल अन्य योजना मे आरा-भभुआ, अररिया-गलगलिया, अररिया-सुपौल, डेहरी आन सोम-बनजारी, गया-दोलतगंज आदि रेल लाइन शामिल अछि। रेलमंत्री अपन विरोध कए लालू विरोध कए नाम द रहल छथि जाहि स बिहार मे नीतीश सरकार हुनकर मुखर विरोध नहि करि रहल अछि, मुदा जनता नीतीश कुमार क एहि चुप्पी पर क्षुब्ध अछि किया कि लालूक नाम पर जहि परियोजना कए रोकल जा रहल अछि ओहि क्षेत्र स जदयू आ भाजपा क लोक जीत कए संसद गेल छथि। एहन मे दरभंगाक सांसद कीर्ति झा आजाद आ मुजफ्फरपुर क सांसद जयनारायण निषाद लेल इ उत्तर देब कठिन अछि जे ममता दीदीक इ फैसला लालू विरोध छी या बिहार विरोध। अ सवाल सेहो उठैत अछि जे विकास पुरुष क नाम पर पांच साल बिहार पर राज करनिहार नीतीश कुमार मात्र एहि लेल बिहार क बंद होइत परियोजना पर चुप रहताह जे ओ परियोजना लालू प्रसादक कार्यकाल मे शुरू कैल गेल अछि। एहि फैसला स
बिहटा-औरंगावाद क बीच प्रस्तावित नई रेल लाइन पर 326 करोड़ आ मुजफ्फरपुर-दरभंगा रेल लाइन पर 281 करोड़ क खर्च प्रस्तावित अछि। कहल जा रहल अछि जे रेलवे एकरा लेल स्पेशल परपस व्हीकल बनाउत। पूरा देश मे एहन प्रोजेक्ट क संख्या 37 अछि। बिहार क एहि योजना पर रेलवे कए कुल चार हजार 711 करोड़ खर्च करबाक छल, जेकरा आब ओ टालि देलक अछि।
गौर करबा क गप इ अछि जे एहि योजना क लेल रेलवे सर्वे पर पांच करोड़ स बेसी टका खर्च करि चुकल अछि। नव रेल लाइन बिछेबाक योजना ‘समाज द्वारा वांछितÓ वर्ग क योजना मे शुमार अछि जेकरा रेल मंत्री प्राथमिकता क आधार पर पूरा करबाक एलान केने छथि। रेलवे भूमि आ पटरी संपर्क क लेल सर्वे पर करोड़ों खर्च करबाक बाद आब एहि योजना क लेल टेंडर निकालिकए निजी निवेशक कए बजेबाक फैसला लेल गेल अछि।