• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

वातानुकुलित होएत दरभंगा क नगर भवन

December 15, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

एक करोड टका स होएत सौंदर्यीकरण, कमला नेहरू पुस्‍तकालय मे सेहो लागत एसी
दरभंगा ।
नगर भवन (टाउन हॉल) क जीर्णोद्धार होएत। 1934 क दरभंगा सिटी प्‍लान क तहत बनल टाउल हॉल क हालत बहुत खराब अछि, मुदा सरकार एकरा सुंदर आ आधुनिक बनेबा लेल तैयार भ गेल अछि। नगर आयुक्त कुमार विनोद नारायण सिंह क कहब अछि जे करीब एक करोड टका स एकरा वातानुकुलित कैल जाएत। ओ कहला जे नगर भवनक सौंदर्यीकरण लेल ओ काफी दिन स प्रयासरत छलाह, मुदा आब जा कए नगर विकास एवं आवास विभाग क सचिव एस सिद्धार्थ नगर भवन कए सौंदर्यीकरण लेल एक करोड़ आ एकर संगहि लहेरियासराय स्थित कमला नेहरू पुस्तकालय क सौंदर्यीकरण लेल 50 लाख टका देबाक आश्वासन देलथि अछि। एही स प्रतीत होइत अछि जे कई वर्ष स उपेक्षित शहर क एहि दूनू ऐतिहासिक धरोहर क कायाकल्प भ जाएत।
नगर आयुक्त श्री सिंह कहला जे नगर भवन (टाउन हॉल) आ ओकर मंच क कात में स्थित दूनू कोठली कए वातानुकूलित (एसी) कैल जाएत। हॉल मे स्थायी कुर्सी अत्याधुनिक ढंग स लगाउल जाएत। मंच क बायां कातवाला कोठली वीआइपी आ दाहिना कातवाला कोठली कए ड्रेसिंग रूम लेल विकसित कैल जाएत।
एहि दूनू कोठली स सटल बाथरूम सेहो अत्याधुनिक ढंग क बनाउल जाएत। संगहि नगर भवन क उत्तर आ दक्षिणी भाग कए खाली जमीन कए विकसित क दीवार स सटल छह फीट मे उद्यान आ शेष भाग कए पार्किग लेल विकसित कैल जाएत।
ओ कहला जे नगर भवन क सामने लागल डॉ राजेंद्र प्रसाद क मूर्ति क स्‍थान पर नवका प्रतिमा लगाउल जाएत जेकर ऊपर छतरी होएत आ पूरा परिसर कए ऐना विकसित कैल जाएत जे लोककए इ एकटा पार्क जेकां लागए। ओ कहला जे कोनो कार्यक्रम क दौरान बिजली क समस्‍या स निपटबा लेल नगर भवन लग अपन 20 केवी क जेनेरेटर होएत जेकर खरीदे एहि योजना क तहत होएत। ओ कहला जे 50 लाख क लागत स कमला नेहरू पुस्तकालय क सभा भवन कए सेहो वातानुकूलित बनाकए अत्याधुनिक सुविधा स लैस कैल जाएत। ओ कहला जे सरकार कए प्राक्कलन पठा देल गेल अछि आ एकर स्वीकृति भेटला पर टेंडर क प्रक्रिया शुरू कैल जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

नालंदा रेलवे वर्कशाप क उद्घाटन जनवरी मे

Esamaad Epaper Website

रामेश्‍वर सिंह क समाधि पर पुष्‍पांजलि देताह नीतीश कुमार

मोदी लेलथि बढैत बिहार क पुरस्‍कार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि