रायपुर। वायुसेना मे बिहार क युवा अपन धाक जमा लेलथि अछि। आजादीक बाद एहन पहिल बेर भेल अछि जखन वायुसेना मे बिहारी बोलबाला भ गेल अछि। वायुसेना मे जेबा लेल बिहार क युवा सबस आगू छथि। बिहार क युवा अपना लेल निर्धारित संख्या स बेसी वायुसैनिक क रूप मे चयनित हेबा मे सफल भेलाह अछि। दोसर नंबर पर हरियाणा क युवा छथि, जे जागरूकता क परिचय दैत उम्मीद स बेसी वायुसैनिक बनबा मे कामयाब रहलाह अछि। जखन कि छत्तीसगढी़ युवा सबस पाछु छथि, हुनकर सफलता केवल दो प्रतिशत क आसपास अछि।
एहि गपक जानकारी भारतीय वायुसेना क आफिसर बी प्रजापति, एएस राना, साजेंर्ट मनोज कुमार रायपुर मे कहलथि। वायुसैनिक क भर्ती क सिलसिला मे मुख्यमंत्री डॉ. रमन सिंह क आमंत्रण पर रायपुर पहुचल वायुसेना क अफसर कहला जे बी प्रजापति कहला जे वायुसेना में भर्ती हेबा लेल दूटा वर्ग मे चयन क लेल परीक्षा चारि चरण मे होइत अछि। एक्स गु्रप मे तकनीकि आ वाई गु्रप मे गैरतकनीकि पद क लेल भर्ती परीक्षा होइत अछि। गु्रप ए लेल 50 प्रतिशत अंक क संग बारहवीं क परीक्षा गणित, भौतिकी आ अंग्रेजी विषय क संग उत्तीर्ण होएब आवश्यक अछि। वाई गु्रप मे भर्ती परीक्षा क पात्रता विज्ञान, कला या वाणिज्य संकाय मे निर्धारित अंक हासिल करि उत्तीर्ण होएब आवश्यक अछि।
साजेंर्ट मनोज कुमार कहला जे बिहार क युवा क सफलता एहि मायने मे बेसी महत्वपूर्ण अछि किया कि ओहि ठामक युवा क भारतीय वायुसैनिक क रूप मे चयन क मामला मे सबस पैघ परेशानी अंग्रेजी भाषा कए ल कए छल। चयनकर्ता क मानि त साक्षात्कार मे अंग्रेजी बाजब, बुझब अत्यंत आवश्यक अछि। एकर अभाव मे बिहार सन राज्यक पात्र युवा चयन स वंचित भ जाइत छलाह। आनो भारतीय वायुसेना क अधिकारी इ भरोस देलथि जे ओ दिल्ली जाकए एहि गप कए प्रमुखता स रखताह जे हिन्दी क जानकार युवा कए केवल अंग्रेजी क नाम पर चयन स वंचित नहि कैल जाए।