सोनू मिश्रा
पटना। राजभवन परिसरक नवनिर्मित राजेंद्र मंडप मे बुधदिन क सांझ विद्यापति गीतक मधुर स्वरक संग शुरू भेल। अमीर खुसरोक सूफी आ गुरुदेव रवींद्र नाथ टैगोरक रचना एकला चलो रे क संग गुनगुनाइत बिहार गौरव गानक विशिष्ट कोरियोग्राफी आ तेज धुनक संग ओतय बैसल लोक सेहो खूब कोरस केला- महका-महका सोंधी माटी का बिहार है। राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जीक सम्मान मे राजेंद्र मंडप मे विशेष सांस्कृतिक संध्याक आयोजन कैल गेल छल। राष्ट्रपति अहि भवनक उद्घाटन केलैनी।
रंजना झा सांस्कृतिक कार्यक्रमक शुरुआत विद्यापति गीत ‘जय-जय-जय भैरवी असुर भयावनि..’ स केलथि। रंजना एकर बाद मैथिली क एकटा श्रृंगार रसक रचना ‘सुनो-सुनो रसिया आब नय बजाऊ बंसिया गेलैनी।’गेलथि। रंजना क बाद बारी सूफी संगीतक छल। बेतिया स आयल असलम चिश्ती क सूफी संगीतक प्रस्तुति लेल खास तौर पर बजाउल गेल छलाह। सूफी गीतक आरंभ अमीर खुसरोक अमर रचना ‘छाप तिलक सब छीनी रे तोसे नैना मिलाके ..अपनी सी रंग लीन्ही रे तोसे नैना मिलाके’ स भेल।
सूफीक बाद स्थानीय रवींद्र परिषदक कलाकार सभ ई कोरियो आह्वान स शुरू केलैनी आ तकर बाद गुरुदेव रवींद्र नाथ टैगोरक अमर रचना ‘एकला चलो रे’ गेलैनी। अंत मे बिहार गौरव गानक प्रस्तुति नव आ जबर्दस्त कोरिओग्राफक संग पेश कैल गेल। बिहार गौरव गानक संग सांस्कृतिक कार्यक्रमक समापन भेल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna