हरिनगर (पच) । सिंगाही गाम एहि साल नव वर्षक स्वागत विदेशी पर्यटक क संग केलक। इ बिहार क पहिल प्राइवेट सफारी लाऊंज नामक रिसॉर्ट क प्रयास क परिणाम अछि जे नार्वे स सैलानी प्रेम आ सौहार्द क नगरी रामनगर क एकटा छोट सन वनवर्ती इलाका मे आयल छथि। एहि ठाम ओ वाल्मीकि व्याघ्र परियोजना क खूबसूरत छटा, प्रकृति क अलौकिक सुंदरता, सूर्य देव क लालिमा कए लग स देखलाह। सफारी लाऊंज क परिश्रम क इ फल अछि जे लेजर लाइट शो लागल झोपड़ीनुमा कॉटेज मे रहनिहार विदेशी सैलानी एहि प्रकृति क लुफ्त उठा गदगद छथि। पश्चिम चंपारण क सिंगाही गाम मे देशी विदेशी सैलानी लेल सफारी लाउंज कए नवकनिया जेकां सजाउल गेल अछि। वनवर्ती इलाका क बीच एकटा सफल प्रयोग क इ नमूना पेश केलक अछि। रामनगर क विलासपुर पाली भवन क लाल सितांशु अमर उर्फ सीतू राय एहि लाउंज क स्थापना केने छथि। ओ कहला जे पर्यटक लेल रिसॉर्ट भरि साल तैयार रहत। ओ कहला जे एहि रिसॉर्ट मे लेजर लाइट युक्त कॉटेज 6, टेंट 8, मठ 2, 108 प्रकार क गुलाब क बीच अवस्थित पोखरा, एमटीवी क डीजे क व्यवस्था कैल गेल अछि। संस्थापक सितांशु अमर कहला जे रिसॉर्ट मे कोनो सैलानी कए दिक्कत नहि भ सकए ताहि लेल निजी स्तर पर सुरक्षा क पुख्ता इंतजाम कैल गेल अछि। सफारी लाउंट मे पर्यटक क लेल विभिन्न प्रकार क लजीज व्यंजन क संगहि चूड़ा, दही, कुसियार क रस आदि क व्यवस्था सेहो कैल गेल अछि। एहि इक्को टूरिज्म क संग संग विलेज टूरिज्म कए बढ़ावा देबा लेल निजी स्तर पर कैल जा रहल एहि सफारी लाऊंज क प्रयास सराहनीय त अछि मुदा सरकार क मदद एहि प्रकारक काज करनिहार कए एखनो नहि भेट रहल अछि। सितांशु अमर क कहब अछि जे ओ बिना कोनो सरकारी मदद कए विलेज टूरिज्म कए बढ़ावा द रहल छथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर