• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

विवि क गैरशैक्षणिक स्टाफ कए भेटत प्रदेश क कर्मचारी क बराबर क दर्जा

January 20, 2013
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्लीज। सुप्रीम कोर्ट बिहार सरकार कए निर्देश देलक अछि जे राज्य क सबटा विविद्यालय आ ओहि स सम्बद्ध कॉलेज मे कार्यरत गैरशैक्षणिक स्टाफ कए प्रदेश क कर्मचारी क बराबर क दर्जा देल जाए।
हुनकर वेतनमान आ अन्य सुविधा मे विसंगति कए दूर करबा लेल एकरा तीन मास क भीतर लागू कैल जाए। सुप्रीम कोर्ट क आदेश स बिहार क विविद्यालय मे कार्यरत कई हजार कर्मचारी कए लाभ होएत।
जस्टिस पी सदाशिवम आ जगदीश सिंह केहर क पीठ पटना हाईकोर्ट क फैसला क खिलाफ राज्य सरकार क याचिका कए खारिज क देलक। सुप्रीम कोर्ट कहलक जे गैरशैक्षणिक कर्मचारी क फेडरेशन आ राज्य सरकार क प्रतिनिधि क बीच जुलाई 2007 मे भेल समझौता क प्रावधान कए लागू कैल जाए। बेंच राज्य सरकार क एहि तर्क कए अस्वीकार क देलक जे कैबिनेट क मंजूरी क बिना भेल समझौता कए मानबा लेल सरकार बाध्य नहि अछि। सुप्रीम कोर्ट कहलक जे समझौता क बाद राज्य सरकार द्वारा आदेश जारी भेल, एकर बाद सरकार अपन निर्णय स मुकर नहि सकैत अछि। सुप्रीम कोर्ट राज्य सरकार क एहि दलील कए सेहो नकारि देलक जे राज्यपाल द्वारा आदेश जारी न भेला क कारण कानून क नजरि मे समझौता वैध नहि अछि।
अदालत स्पष्ट केलक जे संविधान क अनुच्छेद 166 क तहत एहि तरह क मामला मे राज्यपाल क भूमिका निर्देशात्मक अछि, अनिवार्य नहि। अगर राज्यपाल क हस्ताक्षर क बिना सरकार सर्कुलर जारी करैत अछि त ओकरा सरकार क आदेश मानल जाएत। बिहार सरकार क शिक्षा विभाग उच्च शिक्षा क संस्थान मे कार्यरत कर्मचारी कए 1987 मे राज्य सरकार क स्टाफ क समकक्ष दर्जा द देने छल। एहि आदेश क लागू नहि हेबा पर राज्य क तमाम विविद्यालय आ कॉलेज क कर्मचारी कई बेर हड़ताल पर जा चुकल छथि। सब बेर हड़ताल एहि आश्वाकसन क संग समाप्त कैल जाइत अछि जे राज्य सरकार जल्द मांग कए मूर्तरूप दैत।
19 जुलाई, 2007 कए कर्मचारी राज्य सरकार क संग भेल लिखित समझौता क बाद अपन हड़ताल खत्म केने छलथि। जखन एक साल बितला बाद आदेश लागू नहि भेल तखन जुलाई 2008 मे कर्मचारी एक बेर फेर हड़ताल केलथि। दरोगा प्रसाद रॉय कॉलेज क छात्र सनी प्रकाश शिक्षण संस्थान मे पढ़ाई नहि हेबा स क्षुब्धम भ पटना हाईकोर्ट क चीफ जस्टिस कए पत्र लिखलाह। चीफ जस्टिस पत्र कए जनहित याचिका मे तब्दील क सुनवाई केलथि आ सात अगस्त, 2008 कए राज्य सरकार कए आदेश देलथि जे ओ समझौता कए लागू करथि।
हाईकोर्ट क फैसला क खिलाफ राज्य सरकार सुप्रीम कोर्ट क रुख केलक मुदा अपने आदेश कए रद्दी क पथिया मे फेकबा लेल सुप्रीम कोर्ट बिहार सरकार कए खिंचाई केलक।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Tags: bihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

आतंकवादी कए रखनिहार दरभंगा स गिरफ्तार

Esamaad Epaper Website

34 हजार करोड भ सकैत अछि बिहार क योजना आकार

Esamaad Epaper Website

बिहार मे सेहो खुलत निजी विश्वविद्याल, विभाग बना रहल प्रस्‍ताव

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि