रोहतास। जमाना कोना बदलि जाइत छै इ बिहार कए देखि पता चलैत अछि। अपराधक बरगद क नीचा जनमल ईमानदारी क तुलसी आब अपन महत्व आ प्रभाव देखा रहल अछि। किछु एहने अनुभव स विदेशी पर्यटक सेहो रूबरू भेलथि। पर्यटक क संग जे भेल ओ हुनका लेल त अविश्वसनीय रहबे कैल, आम बिहारी लेल सेहो सामान्य गप नहि अछि। रोहतास क दूटा युवक क ईमानदारी स पूरा बिहार क सीना चौडा भ गेल अछि। एहन मिसाल जे बेईमानी लेल बदनाम बिहार क प्रति विदेशी सैलानी क मंशा सेहो साफ क देलक। ओ बेर बेर बस एकटा गप दोहरा रहल छलथि जे, वेरी आनेस्ट इज बिहार। दरअसल घटना इ अछि जे बैसलेंट (न्यूजीलैंड) क दंपति निजी गाड़ी स पटना स सासाराम लौटबाक क्रम मे तेंदुनी (बिक्रमगंज) क एकटा फल क दुकान पर रस पिलाक बाद चल गेलथि। मुदा हुनकर गेलाक बाद अचानक दुकानदार श्याम राम क निगाह हुनकर छूटल पर्स पर पडल। पर्स खोलल गेल त ओहि मे टकाक मोट बंडल छल। दुकानदार क दोस्त रंगन कुमार क नजरि पर्स मे राखल एकटा कार्ड पर पडल, जे कार्ड गाड़ी क ड्राइवर क छल। ओ कार्ड मे लिखल मोबाइल नम्बर 8507023897 पर काल करि ड्राइवर कए बेग छुटबाक सूचना देलक। तखन धरि गाड़ी संझौली जा पहुंचल छल। दुकानदार आ हुनकर दोस्त मोटरसाइकिल स संझौली पहुंच पर्स विदेशी दम्पति कए द देलथि। विदेशी कए हैरत तखन आओर भेल जखन पर्स मे राखल तीन लाख 25 हजार टका मे स एक टका तक लेबा लेल दूनू युवक तैयार नहि भेटलथि। ओ मात्र कहला अतिथि देवो भव:।