• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

शरद पर तमसाइल मधेपुरा

September 1, 2009
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

sharad
जदयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव मधेपुरा स सांसद छथि। मध्यप्रदेश मे जन्म लेलाक बावजूद शरद यादव बिहारक एकटा पिछड़ल जिलाक जनताक प्रतिनिधित्व करि रहल छथि। जनता कए विश्वास छल जे ओ क्षेत्रक आवाज देशक सबस पैघ पंचायत मे उठेबाक प्रयास करताह। क्षेत्रवाद स महाराष्ट्र आ असम मे प्रताडि़त भ रहल बिहार बिहार एहि बेरका चुनाव मे जातिवाद आ क्षेत्रवाद स ऊपर उठबाक प्रयास केलक, मुदा मधेपुराक सांसदक व्यवहार देखि निराशा अछि। पूरा समाज तमसाइल अछि। कारण साफ छैक, मधेपुराक आवाज संसद क भीतर आ बाहर उठेबाककोनो प्रयास शरद यादव दिस स नहि भ रहल अछि। क्षेत्र मे आइल बाढि़क मामला शरद चुप छथि, हुनकर बदला मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार बाजि रहल छथि। जनता एहि मसला पर अपन तामस दबा लेलक, किया कि शरद कए वोट देबाक सबस पैघ कारण नीतीश कुमार छलाह। मधेपुराक जनता कए पैघ झटका तखन लागत जखन ममता बनर्जीक रेल बजट संसद मे पेश भेल। एहि रेल बजट मे ओना त बिहार कए किछु नव नहि भेटल, मुदा किछु पुरान योजना कए भरपूर टका देल गेल। गौर करबाक गप इ रहल जे नीतीशक क्षेत्र हरनौत मे कारखाना लेल प्रयाप्त टका आवांटित भेल अछि। एतबे नहि लालूक क्षेत्र छपरा मे रेल कारखाना लेल सेहो खजाना खोलल गेल, मुदा शरद यादवक क्षेत्र मधेपुरा मे प्रस्तावित रेल कारखाना लेल महज किछु लाख टका आवंटित कैल गेल। मधेपुराक जनता कए उम्मीद छल जे शरद यादव किछु बजताह। शरद यादव संसद मे बजलाह, खूब बजलाह। एतबा धरि बजलाह जे ‘जहर खा लेबÓ मुदा मधेपुराक सवाल पर नहि महिला आरक्षणक सवाल पर। हद त तखन भ गेल जखन ममता बनर्जी मधेपुराक कारखाना कए बनेबाक कैबिनेटक फैसला कए रद्द कए देलथि। कहल जा रहल अछि जे आब ओ कारखाना निजी भागीदारी स बनत, जेकर संभावना कम अछि। किया कि पहिने सेहो एहिना बनेबाक योजना छल, मुदा कोनो निजी कंपनी मधेपुरा मे कारखाना लगेबाक इच्छा नहि जतौलक। आखिरकार तत्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद कहलथि जे रेल मंत्रालय एहि कारखानाक निर्माण करत। लालू एहि फैसला कए कैबिनेट स मंजूरी सेहो दिया देलथि। मुदा मधेपुराकभाग्य आ राष्ट्रीय नेताक व्यवहार एक बेर फेर सामने आइल। मधेपुराक कारखाना खुलबा स पहिने बंद करबाक प्रयास भ रहल अछि आ शरद यादव चुप छथि। सूत्र कहैत अछि जे हुनका लेल इ क्षेत्रीय मामला अछि आ ओ त राष्ट्रीय नेता छथि, ताहि लेल इ मुद्दा लालू प्रसाद सन नेता लेल ठीक अछि। सवाल पैदा होइत अछि जे मधेपुराक आवाज कए उठाउत। मधेपुरा बाजार मे पानक दुकान पर चलि रहल बहस स त साफ लगैत अछि जे एहिठामक जनता शरद यादव कए जार्ज बाबूक जेकां राज्यसभा पठा देबाक इच्छा रखैत अछि। लालू प्रसाद कए मधेपुरा स हरेबा लेल दिन-राति एक करनिहार रामविलास यादव कहैत छथि जे हमरा लोकनि कए एकटा मधेपुराक प्रतिनिधि चाही, न कि राष्ट्रीय नेता। आइ हमसब अनाथ जेका छी। हमर दुख हमर प्रतिनिधि संसद मे नहि बाजि रहल अछि। लालू या नीतीश अगर मधेपुरा लेल बाजि रहल छथि, त एकर मतलब इ नहि भ सकैत अछि जे हमरा अपन प्रतिनिधिक जरूरत नहि अछि। लालू आ नीतीश ममता स टका लेबा मे सफल रहलाह, मुदा शरद कए देखला स लगैत नहि अछि जे हुनकर क्षेत्र स रेल कारखाना उठाउल जा रहल अछि।

Tags: Biharmathilimithila

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

पटना मे मैरिन ड्राइब बनबाक रास्ता साफ

Esamaad Epaper Website

दरभंगा स विमान सेवा शुरू भेल

Esamaad Epaper Website

पटना मे सेहो चलत मेट्रो रेल

Comments 1

  1. गजेन्द्र ठाकुर says:
    16 years ago

    बड्ड नीक प्रस्तुति। मोन प्रसन्न भए गेल।
    समाद मैथिलीक ऑनलाइन समाचारपत्रक रूप मे जे सेवा कए रहल अछि से
    लोकक मोनमे अंकित भए गेल अछि।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि