• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

शोषण आ उत्पीडऩ क परिणाम छल इ आक्रोश

December 9, 2009
in देश-दुनिया
A A

दोसरसमाचार

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई घुमबाक क’ रहल छी प्लानिंग त’ अवश्य ल’ लिय इ इंश्योरेंस, नहि त’ बढ़त मोश्किल

September 3, 2020
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

September 2, 2020
दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

September 1, 2020
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

August 31, 2020

लुधियाना स समदिया चंदन
चारि दिन पहिने लुधियाना प्रवासी मजदूर क ओ तामस देखलक, जे ओ लंबा समय स दबेने बैसल छलाह। आजीविका क लेल अपन परिवार कए हजार किलोमीटर दूर छोडि़कए एहि ठाम बसल बिहार आ पूर्वांचल मजदूरक शोषण आ उत्पीडऩ क इ परिणाम छल जे छीनाझपटी क शिकार भेलाक बाद जखन एकटा प्रवासी क रिपोर्ट नहि लिखल गेल, त ओ कानून हाथ मे ल लेलथि। पुलिस चौकी क घेराव करबाक हुनकर मकसद उत्पात मचेबाक नहि छल, बल्कि ओ अपन विरोध जतेबा लेल जमा भेल छलथि। मुदा हालात क मारल प्रवासी मजदूर पर पंजाब पुलिस क बलप्रयोग उल्टा प्रभाव देखा देलक। काज स घर लौटल एहि प्रवासी मजदूर क तखन चूल्हा जरेबाक समय छल, जखन ओ पुलिस चौकी क आगू डेरा डालि कए इंसाफ क गुहार लगा रहल छलाह। भूखल पेट नारेबाजी करि रहल प्रवासी पर पुलिस लाठी बरसा देलक। गुरुवार क राति क तामस शुक्रदिन लुधियाना अंबाला कए जोड़निहार जीटी रोड पर फूटल, जेकर दूनू कात ओ कारखाना अछि, जाहि मे प्रवासी कए रोजगार भेटल अछि। प्रवासी कए पता अछि जे हुनकर इ प्रदर्शन हुनकर दरमाहा पर भारी पड़त, मुदा ओ अपन तामस कए रोकि नहि सकलाह। जाहि इलाका मे प्रदर्शन भेल, ओ लुधियाना क औद्योगिक इलाका अछि। प्रदर्शन क कारण कारखाना बंद करि देल गेल आओर ओहि मे काज करनिहार कए ओहि दिन क काज नहि भेट सकल। बेरोजगार रहनिहार बिहार क लोक क तादाद सबस बेसी अछि। मुदा की प्रवासी क इ तामस ओहि एकटा घटना क परिणाम छल जे गुरुवार क राति घटल। की इ प्रदर्शन मात्र मजदूर स होइवाला छीनाझपटी क विरोध मे छल? नहि, इ प्रवासी क ओ तामस छल, जे ओ लंबा समय स अपन भीतर दबेने बैसल छलाह। इ प्रदर्शन छल ओ पुलिस क खिलाफ जे राति कए कारखाना स घर लौट रहल कोनो प्रवासी कए तलाशी क नाम पर जेब टटोलैत रहैत अछि आ ओकर मेहनत क कमाई उड़ा ल जाइत अछि। इ प्रदर्शन छल ओ पुलिस वाला क खिलाफ जे प्रवासी क परिजन कए पठाउल जा रहल कपड़ा-लत्ता पर एहन शक जाहिर करैत अछि, जेना ओ झोरा या अटैची मे बम पठाउल जा रहल अछि। जांचक नाम पर जखन तक एक-एकटा लत्ता खोलिकए नहि देख लैत अछि, ओकरा चैन नहि पड़ैत अछि। यदि अटैची एक स बेसी अछि त तौल क डर देखा अपन जेब गर्म करबा लैत अछि। अपन देश मे आखिर गुलामक जिनगी जीबा लेल के तैयार भ सकैत अछि। इ प्रवासी मजदूर सेहो आब गुलाम बनबा लेल तैयार नहि छथि। पंजाबक सरकार आ प्रशासन कए इ बुझबा मे जहिया आबि जाएत, समस्या अपने आप खत्म भ जाइत। ओना इ चिंगारी स फेर आगि धधकि सकैत अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई घुमबाक क’ रहल छी प्लानिंग त’ अवश्य ल’ लिय इ इंश्योरेंस, नहि त’ बढ़त मोश्किल

September 3, 2020
Esamaad Epaper Website

नेपालक ओली सरकार लिपुलेखमे बटालियन तैनात कयलक, एहि यूनिटके भारतीय सेनाक गतिविधि पर नजरि रखबाक आदेश

September 2, 2020
दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

दुबई केर माध्यमे 100 गंतव्यक लेल साझेदारीक नवीनीकरण कयलक एमिरेट्स आ फ्लाईदुबई

September 1, 2020
Indo China war, War in Border, Pangok Lake war

भारत-चीनक बीच फेर झगड़ा: पैंगोंग लेक लग चीनी सैनिक घुसपैठक प्रयास कयलक, सेना देलक मुंहतोड़ जवाब

August 31, 2020
ओमान क राजधानी मस्‍कट मे मनाओल गेल मैथि‍ली मिलन समारोह

ओमान क राजधानी मस्‍कट मे मनाओल गेल मैथि‍ली मिलन समारोह

September 16, 2019

बिहार-नेपाल बस सेवा शुरु

September 10, 2018
Next Post
Esamaad Epaper Website

34.5 हजार प्रशिक्षित शिक्षक क नौकरीक रास्ता साफ

Esamaad Epaper Website

ट्रक क लेल कटलक पहाड़

Esamaad Epaper Website

मैला उठउनिहार कए देलक बिहार सरकार आर्थिक मदद

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि