• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

संस्कृत शिक्षा कए बढावा देबा लेल 66 लाख क दान

April 21, 2015
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा । संस्कृत शिक्षा कए बढावा देबा लेल सुलभ आंदोलनक जनक डॉ बिंदेश्वर पाठक 66 लाख टका दान करबाक घोषणा केलथि अछि। दान क पहिल खेप क रूप मे 22 लाख टका क चेक सोमदिन कामेश्वनर सिंह संस्कृघत विश्वविद्यालय क कुलपति कए सौंप देलथि । बाकी खेप पहिल खेप क उपयोग क बाद प्रदान कैल जायत । एहि दान क रकम स प्रति वर्ष एक सौ छात्र कए प्रति माह 500 टका क छात्रवृति प्रदान कैल जायत । डॉ पाठक इसमाद स कहला जे एहि छात्रवृति पर प्रतिवर्ष कुल छह लाख टका खर्च होएत। ताहि लेल हम 60 लाख टका संस्थान कए देबाक घोषणा कैल अछि । एहि मे स पहिल खेप 22 लाख टकाक चेक संस्थान कए प्रदान क देल, जाहि मे स 20 लाख बैंक मे फिक्स भ जाएत आ 2 लाख छात्रवृतिक रूप मे पहिल खेप वितरित होएत । एहिना 66 लाख टकाक सूद करीब 6 लाख टका होएत जाहि स प्रति वर्ष इ छात्रवृति प्रदान कैल जाएत । डॉ पाठक कहला जे मिथिला संस्कृत शिक्षाक केंद्र रहल अछि । आइ एहि ठामक युवा एहि विषय स विमुख भ रहल छथि । संस्कृत क रक्षा लेल महाराजा कामेश्विर सिंह एहि संस्थाक स्थापना केने छथि, एहन मे हमर सबहक कर्तब्य बनैत अछि जे संस्कृत शिक्षा कए प्रोत्साहन देबा लेल किछु न किछु योगदान दी । हमरा जखन एहि गपक भान भेल जे एहि संस्था न मे छात्र क संख्या लगातार कम भ रहल अछि आ छात्रवृति क घोर अभाव अछि त एक पंथ दू काज क करैत विभिन्न विषयक 100 गोट छात्र कए प्रति मास 500 टकाक छात्रवृति प्रदान करबाक फैसला लेलहुं अछि। उम्मीद करैत छी एहि स किछु ने किछु संस्कृत शिक्षा क प्रति हम अपन दायित्व  क निर्वाह क सकब । उल्लेखनीय अछि जे दरभंगा स्थित कामेश्वर सिंह संस्कृ्त विश्वविद्यालय देश क पहिल दान प्रदत्तव विश्वविद्यालय छी। महाराजा कामेश्वर सिंह 1962 मे इ विश्वविद्यालय बिहार सरकार कए दान केने छथि। डॉ पाठक एहि संस्थान कए किछु दान केनिहार दोसर व्यक्ति भ गेलाह अछि । पिछला 50 साल मे कामेश्वर सिंह क बाद एहि संस्था‍न कए कियो किछु दान नहि केने छल । उम्मीद कैल जा सकैत अछि जे डॉ पाठकक एहि दान क सदुपयोग होएत ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Tags: bhagalpurbihar newsdarbhangalatest bihar newslatest maithili newslatest mithila newsmaithili newsmaithili newspapermithila newspatnasaharsaइ-समादइपेपरदरभंगाबिहारमिथिलामिथिला समाचारमिथिला समादमैथिली समाचार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

तीनटा ट्रांसमिशन लाइन स जुडत उत्तर आ दक्षिण बिहार

मिथि‍ला की धरती पर मिथि‍ला रंग महोत्सव

Esamaad Epaper Website

नेपाल जेबा स नीतीश कए फेर रोकलक केन्द्र

Comments 1

  1. Raman Dutt Jha says:
    10 years ago

    संस्कृत शिझा के बढ़ावा देने बिना भारतक संस्कृति अझुण नहि रहि सकैत अछि . एतेक बृहत भाषा धर्मनिर्पेझता क भेंट भ रहल अछि . धर्म ,विज्ञानं ,चिकिस्ता ,दर्शन , मीमांसा , न्याय ,युद्ध ,कोनो एहन विधा नहि जाहिमे एकर योग्यदान के नाकारल जा सकैत अछि . मिथिला त एकर प्रमुख झेत्र रहल अछि .कामेश्वर सिंह क बाद डा . पाठक सन सपूत के पैब हम सब कृतार्ध भेलोइंह .समाद लेल धन्यबाद .

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि