पटना। बिहार मे सड़क हालत बहुत हद तक ठीक भ गेल अछि या भ रहल अछि, मुदा बिजलीक क्षेत्र मे कोनो सुधार देखबा मे नहि आबि रहल अछि। राज्य सरकार आब बिजली सुधार पर ध्यान केंद्रीत करि लेलक अछि। निवेश कए बढ़ावा देबा लेल सड़क आ बिजली जरूरी अछि, एहन मे मात्र सड़क बनला स निवेश नहि भ पाबि रहल, एहन मे सरकार त्वरित विद्युत प्रगति आ सुधार कार्यक्रम क तहत 1066.58 करोड़ व्यय करबाकनिर्णय लेलक अछि। एकर तहत विद्युत आपूर्ति मे गुणात्मक सुधार आ समग्र तकनीकी आ वाणिज्यिक नुकसान कए कम करबा लेल पावर ग्रिड द्वारा काज कराउल जा रहल अछि। एहि योजना क तहत विद्युत प्रणाली क सुदृढ़ीकरण आ मीटरांकरण कैल जा रहल अछि। ओना एखन धरि प्राप्त ऊर्जा क अनुपात मे राजस्व वसूली नहि भ पाबि रहल अछि। एकर अलावा संचरण व्यवस्था कए सुदृढ़ बनेबा लेल राष्ट्रीय सम विकास योजना क तहत पावर ग्रिड कारपोरेशन ऑफ इंडिया क माध्यम स 17 ग्रिड सब स्टेशन, एक पावर सब स्टेशन आ 876 किलोमीटर संचरण लाइन क निर्माण कराउल गेल अछि। ऊर्जा विभाग द्वितीय चरण क भाग 1 क तहत नव ग्रिड केन्द्र आ संचरण लाइन क निर्माण, पुरान तार कए बदलबा आ विभिन्न ग्रिड उपकेन्द्र क क्षमता विस्तार क लेल 1005.72 करोड़ क लागत पर कार्य प्रारम्भ करबाक दावा केलक अछि। ऊर्जा विभाग क अनुसार राष्ट्रीय सम विकास योजना क राशि स चारिटा ग्रिड आ सम्बन्धित संचरण लाइन क काज पूरा कैल जा रहल अछि। योजना क तहत पुरान संचरण लाइन क तार सेहो बदलल जा रहल अछि। विद्युत आपूर्ति मे भ रहल बाधा कए दूर करबा लेल बेगूसराय-पूर्णिया 220 केवी डबल सर्किट संचरण लाइन क निर्माण काज सेहेा प्रारम्भ भ चुकल अछि। सरकारक मानी त अगिला दू साल मे सड़कक भांति बिहार क सुधरल बिजली व्यवस्था सेहो लोक कए चौंका देत।