पटना। पशु एवं मत्स्य संसाधन मंत्री बैद्यनाथ सहनी कहला अछि जे समस्तीपुर मे राज्यक पहिल बेटनरी यूनिवर्सिटी खोलल जाएत। समस्तीपुर में पशु और मत्स्य विश्वविद्यालय खोलबाक प्रस्ताव जल्द हि कैबिनेट मे आनल जाएत। ओ कहला जे एहि स संबंधित प्रस्ताव विभाग द्वारा तैयार कैल जा चुकल अछि आ संभवत: 21 अक्टूबर कए कैबिनेट क बैसार में एहि पर फैसला लेल जाये। एकरा संगहि ओ इ सेहो कहला जे बिहार कए मत्स्य उत्पादन क क्षेत्र मे आत्मनिर्भर बनेबा लेल समस्तीपुर जिला क पटोरी मे मत्स्य शोध संसाधन संस्थान खोलबाक मंजूरी भेट गेल अछि। केन्द्र सरकार संस्थान खोलबा लेल स्वीकृति प्रदान क देलक अछि। एकर निर्माण लेल करीब 470 करोड़ क प्रोजेक्ट तैयार कैल जा रहल अछि। संस्थान क निर्माण लेल पटोरी मे करीब 30 एकड़ भूमि क चयन सेहो भ गेल अछि। जिला प्रशासन कए जल्द रिपोर्ट देबाक निर्देश देल गेल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa