नई दिल्ली। स्वतंत्रता दिवस क पूर्व संध्या मैथिल आ शास्त्रीय संगीत प्रेमी क नाम रहल। इग्नू साहित्यिक आ सांस्कृतिक मंच द्वारा आयोजित संगीत संध्या मे दर्शक मिथिला पुत्र आ दरभंगा घराना क तेरहम पीढ़ी श्री समित मल्लिक क संगीतक आरोह-अवरोह मे डूबल रहलाह।
कार्यक्रम क औपचारिक शुरुआत इग्नू क कुलपति श्री एम् असलम दीप प्रज्वलित क केलथि। अपन संक्षिप्त अभिभाषण मे असलम कहलथि जे हमरा सबहक लेल इ गौरब क गप अछि जे राष्ट्रपति पुरस्कार विजेता श्री समित मल्लिक हमरा सबहक बीच प्रस्तुति लेल आयल छथि। कार्यक्रम मे मंच संचालन क जिम्मा देवशंकर नवीन लग छल, जेकरा ओ नीक जेना निभेलथि। कार्यक्रम क शुरुआत मे ओ ध्रुपद क परिचय स केलथि। श्री मल्लिक बतेलथि जे ध्रुपद कोना गाओल जाएत अछि। एहि पर प्रकाश देलथि आ संगे कलाकार क परिचय श्रोता स करेलथि। फेर शुरू भेल संगीत क रसधार जेकर शुरुआत तानसेन क प्रसिद्ध राग मियाकी मल्हार मे ध्रुपद संग भेल। सावन घन बूंद बरसे श्रोता क झुमबा लेल मजबूर क देलक। तकर बाद राग मिश्र खमाज मे ठुमरी आ दादरा छवि बनके दिखला जा सांवरिया मोरा आ नजरिया लग जाएगी मोरे कान्हा को कोई मत देखो श्रोता कए मंत्रमुग्ध क देलक।
कार्यक्रम क अंतिम चरण विद्यापति गीत स भेल जाहि मे विद्यापति क रचना कए ठुमरी शैली मे गाबि समित श्रोता कए चकित क देलथि। कुञ्ज भवन स निकलल रे, उगना रे मोर कतय गेलै, नन्दक नन्द कदम्बक तरु तरि आ कखन हरब दु:ख मोर हे भोला नाथ पर दर्शक क थोपड़ी स पूरा हाल गुंजायमान भ गेल।
संगीत संध्या क एहि मौका पर समित क संग छलथि प्रसिद्ध तबला बादक प्रसेनजीत अधिकारी आ पखावज वादक ऋषि शंकर उपाध्याय। हुनका संगे तानपुरा पर नमन आ हारमोनियम पर रुपेश अपन जुगलबंदी देलथि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa
Aayojak ke dhanyabaad.